– मधुबनी विधायक कहलनि, हम सभ चाहैत छी जे विपक्ष उठाबय जन सरोकारक मुद्दा
– महिषी विधायक कहलनि, सवाल ई नहि अछि जे के उपस्थित छथि वा के नहि?

पटना, समदिया
बिहार विधानसभाक बजट सत्र वर्तमान मे जारी अछि, मुदा एहि सत्र मे नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादवक अनुपस्थिति राजनीतिक चर्चाक विषय बनि गेल अछि। दू फरवरी सं शुरू भेल बजट सत्र मे अखन धरि हुनक उपस्थिति मात्र दू दिन देखल गेल, तकर बाद ओ लगातार सदन सं अनुपस्थित छथि। एहि स्थिति पर आब सत्ता पक्ष खुलि कए प्रश्न उठाबय लागल अछि।
शुक्र दिन समदिया मिथिला सं बात करैत मधुबनी विधायक आ राष्ट्रीय लोक मोर्चा (रालोमो) विधायक दलक नेता माधव आनंद कहलनि जे विधानसभाक सत्र लोकतांत्रिक प्रक्रिया मे अत्यन्त महत्त्वपूर्ण होइत अछि। हुनक अनुसार नेता प्रतिपक्षक दायित्व होइत अछि जे ओ सदन मे उपस्थित रहि सरकारक कार्यप्रणाली पर निगरानी राखथि आ जनसरोकारक विषय प्रभावी ढंग सं उठाबथि। मुदा वर्तमान परिस्थिति मे एहन नहि देखल जा रहल अछि। श्री आनंद कहलनि जे सीएम बहुत व्यस्त रहैत छथि जे मुदा ओ समय पर सदन आबि जाइत छथि। नेता प्रतिपक्ष कें सीएम सं किछु सीखक चाहिऐन।
माधव आनंद कहलनि जे बजट सत्र राज्य लेल विशेष महत्त्व रखैत अछि, किएक तं एहि दौरान आगामी वित्तीय वर्ष लेल नीतिगत निर्णय आ व्यय-प्रस्ताव सभ प्रस्तुत कएल जाइत अछि। एहन समय मे विपक्षक सक्रिय भूमिका अपेक्षित रहैत अछि। हुनक आरोप छल जे जहिया सदन चलैत रहैत अछि, तहिया नेता प्रतिपक्ष विदेश यात्रा पर चलि जाइत छथि। हुनक मतानुसार ई जनप्रतिनिधिक दायित्वक अनुरूप व्यवहार नहि मानल जा सकैत अछि।
ओ कहलनि जे सत्ता पक्ष चाहैत अछि जे सदन मे विपक्ष सशक्त रहय आ जनताक समस्या सभ पर गंभीर विमर्श होय। लोकतंत्र मे सुदृढ़ विपक्ष शासन व्यवस्था लेल आवश्यक मानल जाइत अछि। मुदा जं विपक्षक शीर्ष नेता स्वयं सदन मे उपस्थित नहि रहथि तं जनसरोकारक मुद्दा प्रभावी रूप सं उठि नहि पाबैत अछि। हुनक अनुसार एहि कारण सं विपक्षक विश्वसनीयता पर सेहो प्रश्नचिह्न लगैत अछि।
माधव आनंद एतबे नहि कहलनि, बल्कि इहो जोड़लनि जे नेता प्रतिपक्षक अनुपस्थिति सं कार्यकर्ता आ समर्थक सभ मे निराशा व्याप्त होइत अछि। हुनक मत छल जे निरंतर अनुपस्थिति राजनीतिक दृष्टि सं शुभ संकेत नहि अछि। ओ संकेत देलनि जे एहन स्थिति सं विपक्षक जनाधार पर प्रतिकूल प्रभाव पड़ि सकैत अछि आ सम्भवतः इएह कारण अछि जे हुनक जनाधार लगातार घटैत जा रहल छनि।
विधानसभाक बजट सत्र अखन जारी अछि आ आगां अनेक महत्त्वपूर्ण विषय पर चर्चा अपेक्षित अछि। एहन मे राजनीतिक क्षेत्र मे ई चर्चा तेज अछि जे की आगामी दिन मे नेता प्रतिपक्ष सदन मे सक्रिय उपस्थिति दर्ज कराबथि आ विपक्षक भूमिका सुदृढ़ करथि, अथवा ई विवाद आगू सेहो जारी रहत। अखन सत्ता पक्षक बयान सं स्पष्ट अछि जे विपक्षक भूमिका आ जिम्मेदारी पर बहस तेज भए गेल अछि।
समदिया मिथिला इएह सवाल महिषीक राजद विधायक गौतम कृष्ण सं पूछलक जे आखिर नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव सदन मे अनुपस्थित किएक छथि। एहि सवाल पर राजद विधायक तमतमा उठलाह। आ तमतमाहटि मे ओ कहय लगलाह जे ई एकदम व्यक्तिगत सवाल अछि। ई महत्वपूर्ण नहि अछि जे के सदन मे उपस्थित छथि वा के नहि छथि? महत्वपूर्ण ई अछि जे राज्य मे कानून-व्यवस्थाक स्थिति खराब भए गेल अछि। व्यवस्था व्यक्ति सं नहि चलैत छैक। व्यवस्था सदन मे पक्ष सं चलैत छैक। व्यवस्था सदन मे विपक्ष द्वारा सवाल पूछल गेला सं चलैत छैक। ने कि एहि बात सं जे के एतय उपस्थित छथि वा के अनुपस्थित छथि। हमर सबहक सवाल सत्ता सं अछि। सरकार सं अछि। हमर सबहक सवाल सवाल सीएम नीतीश कुमार सं अछि।



