9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

ट्रंप बनला महिषासुर, मां दुर्गा केलनि वध! बेगूसराय मे आकर्षणक केंद्र बनला राष्ट्रपति ट्रंप

बेगूसराय, समदिया

प्रत्येक वर्ष दुर्गा पूजा मे अलग-अलग थीम पर पूजा पंडाल बनाओल जाइत अछि। जतय माता दुर्गाक सुंदर प्रतिमा संगहि लाइटिंग आ सजावट लोक कें आकर्षित करैत अछि, मुदा एहि बेर बिहारक बेगूसरायक एकटा पंडाल खूब चर्चा मे अछि। कारण ई अछि जे ओतय महिषासुरक बदला अमेरिकाक राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंपक मूर्ति बनायल गेल अछि। मां दुर्गा अपन भाला सं ट्रंपक वध करैत देखायल गेल छथि।

महिषासुरक बदला डोनाल्ड ट्रंपक वध

शहरक विष्णुपुर चांदनी चौक स्थित सार्वजनिक दुर्गा मंदिर मे डोनाल्ड ट्रंपक प्रतिमा खूब लोक कें पसंद आबि रहल अछि। शेर पर सवार माता दुर्गा ‘महिषासुर रूपी डोनाल्ड ट्रंप’ पर भाला सं वार करैत देखायल गेल छथि। ट्रंपक एक हाथ मे विषधर सांप टांगल अछि आ हुनकर मुखमुद्रा पीड़ा सं चिचियाइत नजरि आबि रहल अछि। एकर संगहि शेर सेहो हुनका पर गुर्रा रहल अछि।

ट्रंप कें महिषासुर किएक कहल गेल?

एहि विषय मे दुर्गा पूजा समितिक अध्यक्ष राजकिशोर प्रसाद कहलनि जे जखन- जखन पृथ्वी पर अत्याचार बेसी भेल अछि, तखन- तखन माता अपन अलग-अलग रूप मे अवतार लेलनि आ अत्याचारीक वध केलनि। महिषासुरक बदला डोनाल्ड ट्रंपक प्रतिमा बनेबाक सवाल पर ओ कहलनि जे ओहो अपन ढंग सं अत्याचार कय रहल छथि। वीजा पर टैक्स बढ़ा देलनि आ भारतीय उत्पाद पर 50 प्रतिशत टैरिफ लगा देलनि।

ट्रंप पर विरोध

दुर्गा पूजा समितिक सदस्य सभक कहब अछि जे डोनाल्ड ट्रंप केवल टैक्स आ टैरिफ नहि बढ़ौलनि, बल्कि भारतक सेनाक शौर्य पर सेहो प्रश्न उठेबाक प्रयास केलनि। समिति सं जुड़ल मुकेश कुमार कहलनि जे ‘ऑपरेशन सिंदूर’क समय भारतक सेना पाकिस्तान कें मुंहतोड़ जवाब देने छल, जाहि सं पाकिस्तान कें युद्धविराम लेल भारतक सामने गिड़गिड़ाबय पड़ल। मुदा अमेरिकी राष्ट्रपति भारतीय सेनाक पराक्रमकें कम देखेबाक नीयत सं झूठ दावा केलनि जे हुनकर कारणे ‘सीजफायर’ भेल।

पहिने सेहो बनल छल एहेन प्रतिमा

मंदिर समिति सं जुड़ल लोकक कहब अछि जे ई केवल लोकभावना अछि, जकरा कलाकार मूर्तिरूप मे प्रस्तुत केलक अछि। एकरा कोनो राजनीति सं जोड़ब उचित नहि अछि। समिति सं जुड़ल मुकेश कुमार कहलनि जे एहि सं पहिने सेहो चीनक राष्ट्रपति शी जिनपिंग आ पाकिस्तानक तत्कालीन प्रधानमंत्री इमरान खानक प्रतिमा एहेन रूप मे बनायल गेल छल।

श्रद्धालु की कहि रहल छथि?

पूजा पंडाल मे आबि रहल श्रद्धालु सेहो एहि थीम कें खूब पसंद कए रहल छथि। लोकक कहब अछि जे डोनाल्ड ट्रंप जेना हालक दिन मे भारतक विरुद्ध निर्णय लेने छथि, ताहि हिसाबें हुनका महिषासुरक रूप मे देखेबा मे कोनो आपत्ति नहि अछि। श्रद्धालु समीक्षा कहलनि जे दुर्गा पूजा समिति एहि माध्यम सं ई देखेबाक प्रयास कएल गेल अछि जे ट्रंप जेना हालक समय मे नकारात्मकता पसारबाक प्रयास केलनि, ताहि रूप मे हुनकर वध अवश्य होयत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here