6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

पप्पू यादवक गिरफ्तारी पर सदनमे हंगामा, दरभंगामे दुष्कर्म मामिलापर विधायक भड़कलाह

पटना, समदिया

बिहार विधानसभा केर बजट सत्र चलि रहल अछि। सांसद पप्पू यादवक गिरफ्तारीक विरोधमे विपक्षी नेता सब सदनक भीतर-बाहर जोरदार हंगामा केलक। संगहि राजद आ कांग्रेस दरभंगामे बच्चीक संग दुष्कर्म आ मौत मामिलामे सरकार कें घेरलक। विपक्षी विधायक बिहारमे बढ़ैत अपराधक खिलाफ सदनक बाहर प्रदर्शन करैत राजद विधायक हाथमे पोस्टर लेने छलाह, जाहिपर लिखल छल,  रेप, हत्या, किडनैपिंग कहिया रुकत? कानून अछि, लेकिन डर नहि। जवाब दिअ सरकार। सांसद पप्पू यादवक गिरफ्तारीक खिलाफ खूब विरोध भेल। कांग्रेस विधायक अभिषेक रंजन पप्पू यादवक समर्थनमे टी-शर्ट पहिर कें सदन पहुंचलाह, जइपर लिखल छल— आइ जेल होई, काल बेल होई, परसों से वही खेल होई।
कांग्रेस विधायक मनोज विश्वास कहलनि,  एक महीना भए गेल, लेकिन न्याय नहि भेटल। पप्पू यादवक नेतृत्वमे जंतर-मंतर पर धरना देबाक योजना छल। नीट छात्राक परिवारो मौजूद छल, लेकिन दू दिन पहिने पप्पू यादव कें न्यायिक हिरासतमे भेज देल गेल। सरकार डरैत अछि, जे न्याय मांगैत अछि, ओकरा जेलमे डालैत अछि। कांग्रेस विधायक कमरूल होदा कहलनि, बिहारमे लोकतंत्र नहि, राजतंत्र चलि रहल अछि। लोकतंत्रक हत्या भए गेल अछि। 31 साल पुरान मामिलामे सांसदक गिरफ्तारी भेल। पप्पू यादव अदालतमे हाजिर होए लेल तैयार छलाह, लेकिन रातिमे सिविल ड्रेसमे पुलिस उठाकए लेए गेल। बिहारमे रोज हत्या, डकैती भए रहल अछि। प्रशासन आ सरकार पूरा फेल अछि। जानकारी अनुसार, सदनक अंदर पोर्टींकोमे सेहो विधायक सभ हंगामा केलक। दरभंगामे बच्ची संग दुष्कर्म आ मौत मामिलापर विधायक सबहक गुस्सा फूटि पड़ल। राजदक प्रधान महासचिव आ विधायक रणविजय साहू कहलनि, पछिला एक महीनामे लगातार बच्ची सबहक संग अपराध भए रहल अछि। सरकार पूरी तरह फेल भए चुकल अछि। बिहारमे हिटलर राज चलि रहल अछि। पप्पू यादव इंसाफ लेल आवाज उठा रहल छलाह, तैंनहि हुनका जेलमे डाल देल गेल।

कांग्रेस विधायक कमरूल होदा कहलनि,  पटना मे दुष्कर्म भेल, लेकिन आरोपी आरामसं घूम रहल अछि। सरकार सच्चाई छुपाब’ चाहैत अछि। दरभंगामे सेहो बच्ची संग दुष्कर्म भेल। ई सरकार पूरी तरह फेल अछि। हमसभ आंदोलन करि रहल छी। ई भ्रष्ट सरकार अछि, जकर पुलिस-प्रशासन पर काबू नहि अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here