9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

कट्‌टरपंथ सं मुक्ति लेल ईरान मे हिंसक प्रदर्शन, मारल गेल 300 सं बेसी लोक, 50 सं बेसी शहर मे पहुंचल प्रदर्शन, कतेको मैथिल फंसलाह

– ईरान मे फंसल मैथिल सबहक संपर्क परिवार सं टूटल

– रिवोल्यूशनरी गार्ड्स लोक सभ सं केलक अपील, अपन बच्चा सभ कें एहि प्रदर्शन सं दूर राखी

तेहरान, समदिया

ईरान मे सरकार-विरोधी प्रदर्शन सभ दौरान 300 सं बसी लोकक मृत्यु हेबाक दावा कएल जा रहल अछि। टाइम मैगजीन तेहरानक एक डॉक्टरक हवाला सं बतौने अछि जे राजधानीक मात्र छह गो अस्पताल मे कम सं कम 217 प्रदर्शनकारीक मृत्यु दर्ज भेल अछि, जाहि मे अधिकांश लोकक मृत्यु गोली लगला सं भेल अछि। एहन स्थिति देशक विभिन्न शहरक अस्पताल मे अछि। अफरा-तफरीक स्थिति उत्पन्न भए गेल अछि। एमहर सूचना भेटि रहल अछि कतेको मैथिल सेहो एहि प्रदर्शन मे फंसल छथि। भारत आ नेपाल क्षेत्रक कतेको मैथिल कें अपन परिवार सं संपर्क नहि भए पाबि रहल अछि। प्रदर्शन तेज भए गेलाक बाद बृहस्पतिक राति सुरक्षा बल सभ अनेक स्थान पर गोलीबारी कएने छल। एहि घटनाक बाद सं लगातार कार्रवाई जारी अछि। एहि बीच रिवोल्यूशनरी गार्ड्सक एक अधिकारी सरकारी टेलीविजन सं बात करैत चेतावनी देलनि जे अभिभावक अपन बच्चा सभ के प्रदर्शन सं दूर राखथि, जं गोली लगैत अछि तं ओकर शिकायत नहि कएल जाए।

प्रदर्शन रोकबाक लेल सरकार पूरा ताकति लगा रहल अछि

रिपोर्ट अनुसार, शुरुआती किछु दिन धरि ई स्पष्ट नहि छल जे सरकार कोन रुख अपनाएत। स्वयं एंटी-राइट्स पुलिसक एक अधिकारी स्वीकार कएने छलाह जे सुरक्षा बल भ्रमक स्थिति मे अछि। ककरो ठीक सं नहि बुझा रहल छल जे आगू की होएत। मुदा शुक्र कें सामने आयल खून-खराबाक तस्वीर आ सख्त बयान सं ई स्पष्ट भए गेल जे आब सरकार पूरा ताकति सं कार्रवाई कए रहल अछि।

एहि सं पहिने सरकार देश भरि मे इंटरनेट आ टेलीफोन सेवा लगभग बंद कए देने छल। अमेरिकाक राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प सेहो चेतावनी देने छलाह जे यदि प्रदर्शनकारी मारल गेलाह तं ईरानी सरकार कें एकर भारी मूल्य चुकाबय पड़त।

सरकार निर्दयी कार्रवाई सं नहि हिचकिचाएत

विशेषज्ञ सभक मत अछि जे जखन प्रदर्शन मध्यमवर्गीय इलाका धरि पसरि गेल अछि, तं सरकार बेरहमी सं कार्रवाई करबा सं नहि हिचकिचाएत। हुनकर मानब अछि जे आगू आबैत दिन सभ मे हताहत सभक संख्या आर बढ़ि सकैत अछि। ईरान पहिनहि इस्राइल सं टकराव, अंतरराष्ट्रीय प्रतिबंध, गिरैत अर्थव्यवस्था, बिजली आ पानीक किल्लत सन गंभीर समस्या सभ सं जूझि रहल अछि। सरकारक भीतर सेहो मतभेद देखल जा रहल अछि। राष्ट्रपति मसूद पजशकियान सार्वजनिक रूप सं नरम रुख देखबैत छथि, मुदा हुनकर कतेको मंत्री सख्त कार्रवाईक पक्ष मे छथि। सरकारक आरोप अछि जे अमेरिका आ इस्राइल एहि प्रदर्शन सभ कें हवा दए रहल अछि।

किछु प्रदर्शनकारी पूर्व शाहक बेटा रजा पहलवीक समर्थन मे नारा लगा रहल छथि, जे विदेश सं प्रदर्शन तेज करबाक अपील कएने छथि। कुर्द बहुल इलाका सभ मे सेहो लोक सड़क पर उतरि आयल छथि। कतेको प्रदर्शनकारीक कथन अछि जे आब हुनका लग गमेबाक लेल किछु बांचल नहि अछि।

महंगाइ सं आम लोक मे रोष बढ़ल

देश भरि मे नव पीढ़ी  विशेष रूप सं आक्रोश मे अछि, जकर मुख्य कारण आर्थिक बदहाली अछि। दिसंबर 2025 मे ईरानी मुद्रा रियाल खसि कए प्रति अमेरिकी डॉलर करीब 14.5 लाख धरि पहुंच गेल, जे अखन धरिक सब सं नीच स्तर अछि। वर्षक शुरुआत सं रियालक मूल्य लगभग आधा भए चुकल अछि।

बाक्स

ईरान मे हिंसक प्रदर्शन मे फंसल मैथिल लोक, परिवार सभ चिंतित

ईरान मे भए रहल हिंसक सरकार-विरोधी प्रदर्शन सभक बीच कतेको मैथिल युवक, जे भारत आ नेपाल क्षेत्रक छथि, ओतए फंसि गेल छथि। जानकारी अनुसार, ई मैथिल लोक छात्र, मजदूर, तकनीकी कर्मी आ छोट-छोट व्यवसाय सं जुड़ल छथि, जे रोजी–रोजगार, पढ़ाई आ व्यापारक उद्देश्य सं ईरान गेल छलाह। प्रदर्शन तेज होएबाक बाद कतेको शहर मे कर्फ्यू सन स्थिति बनि गेल अछि, इंटरनेट आ टेलीफोन सेवा बाधित अछि, जाहि कारण हुनका सभक परिवार सं संपर्क टूटल अछि।

तेहरान, मशहद आ इस्फहान सन शहर सभ मे स्थिति बेसी गंभीर बताओल जा रहल अछि। किछु मैथिल लोकक घायल हेबाक सेहो सूचना अछि, हालांकि एकर आधिकारिक पुष्टि नहि भेल अछि। भारत आ नेपाल मे रहनिहार परिवार सभ सरकार सं सुरक्षित निकासी आ दूतावास स्तर सं सहायता उपलब्ध करेबाक मांग कए रहल अछि। एहि संकट मे फंसल मैथिल लोकक सुरक्षित वापसी लेल कूटनीतिक प्रयास तेज करबाक आवश्यकताक अनुभव कएल जा रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here