6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

जखन सभ बिहारी स्वयं कें भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष बुझत, तखन पीएम केर सपना पूरा होएत :  नितिन नबीन

– राष्ट्रीय अध्यक्ष बनलाक बाद पहिल बेर पटना अयला नितिन नबीन, कएल गेल भव्य स्वागत

पटना , समदिया

45 वर्षीया नितिन नबीन भारतीय जनता पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष बनलाक बाद पहिल बेर पाटलिपुत्रक धरती पर पहुंचलाह। राजधानी पटनाक बापू सभागार मे हुनकर सम्मान मे भव्य समारोह आयोजित कएल गेल। एहि कार्यक्रम मे बिहार भरि सं आयल हजारो कार्यकर्ता आ नेता उपस्थित रहलाह। पार्टी कार्यकर्ता सभ अपन नेताक स्वागत कएलनि। स्वागत समारोहक दौरान राष्ट्रीय अध्यक्ष नितिन नबीन भावुक सेहो देखेलाह। अपन संबोधन मे ओ स्पष्ट शब्द मे कहलनि जे राजनीति मे शॉर्टकट नहि लेबाक चाही। राजनीति एक दीर्घकालीन यात्रा अछि।

हालांकि बिहार विधानसभाक सत्र चलि रहल छल, तथापि राष्ट्रीय अध्यक्षक आगमन पर पार्टीक अधिकांश वरिष्ठ नेता बापू सभागार मे उपस्थित रहलाह। बिहार प्रभारी विनोद तावड़े, उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी, विजय कुमार सिन्हा, प्रदेश अध्यक्ष संजय सरावगी सहित भाजपाक अनेक वरिष्ठ नेता कार्यक्रम मे शामिल छलाह। बापू सभागार मे पांच हजार सं अधिक कार्यकर्ताक उपस्थिति कार्यक्रम कें ऐतिहासिक बना देलक।

बिहार विजयक बाद आब बंगाल विजयक तैयारी

नितिन नबीन अपन भाषण मे स्पष्ट संकेत देलनि जे बिहार विजयक बाद आब पार्टीक अगिला लक्ष्य पश्चिम बंगाल अछि। पड़ोसी राज्य पश्चिम बंगाल मे विधानसभा चुनाव भए रहल अछि आ भाजपा ओतय सेहो सत्ता हासिल करबाक दृढ़ संकल्प रखैत अछि। पार्टी नेता सभ सेहो बंगाल चुनाव कें लए कए अपन आक्रामक विचार जाहिर कएलनि।

कार्यकर्ताक भूमिका निर्णायक होयत

राष्ट्रीय अध्यक्ष कहलनि जे पश्चिम बंगाल, असम, तेलंगाना आ केरल मे विधानसभा चुनाव होमयबला अछि आ एहि लेल पार्टीक प्रत्येक कार्यकर्ता कें तैयार रहबाक आवश्यकता अछि। ओ कहलनि जे मात्र ई कहि देनाय पर्याप्त नहि अछि जे एक बिहारी भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष बनि चुकल छथि। जखन सभ बिहारी अपना कें भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष बुझत, तखन प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक सपना साकार होएत।

भाजपा कें संगठनात्मक शक्ति पर  अछि भरोस

कार्यकर्ता सभक उत्साह बढ़बैत नितिन नबीन कहलनि जे जं एखन परिस्थिति मनमुताबिक नहि अछि, तं बुझि लेबाक चाही जे आगू सब किछु मनमुताबिक होमय बला अछि। भाजपाक संगठनात्मक वॉच टावर बहुत मजबूत अछि आ पार्टी सब पर नजरि रखैत अछि। ओ दोहरौलनि जे राजनीति मे शॉर्टकट केर कोनो स्थान नहि अछि। दीर्घकालीन राजनीति करबाक अछि तं भाजपाक राजनीति करबाक चाही। भाजपा एहन पार्टी अछि जे बूथ अध्यक्ष कें सेहो राष्ट्रीय अध्यक्ष बना सकैत अछि।

वर्टिकल विकास आब लक्ष्य

नितिन नबीन स्पष्ट कएलनि जे भाजपाक होरिजेंटल विकास अर्थात संगठन विस्तार भए चुकल अछि। आब पार्टीक वर्टिकल विकास अर्थात राज्य सभ मे सत्ता हासिल करब मुख्य लक्ष्य अछि। एहि लक्ष्य कें प्राप्त करबाक लेल सभ कार्यकर्ता कें एकजुट भए कए समाज सं जुड़बाक आवश्यकता अछि।

राष्ट्रीय अध्यक्ष कार्यकर्ता सभ कें कहलनि जे भाजपाक असली ताकति ओकर मजबूत संगठन आ जमीनी कार्यकर्ता छथि। केंद्र आ राज्य सरकारक उपलब्धि सभ जन-जन धरि पहुंचेबा पर ओ विशेष जोर देलनि। ओ कहलनि जे जं प्रत्येक कार्यकर्ता सरकारक योजना सभ घर-घर पहुंचाएत, तं संगठन स्वतः मजबूत भए जाएत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here