6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

बिना कोनो संवाद सीएम सुपौल मे कयलनि 493 करोड़क योजनाक उद्घाटन आ शिलान्यास

सुपौल, समदिया

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुध दिन सुपौल मे 493 करोड़क योजनाक उद्घाटन आ शिलान्यास कयलनि। संगहि, एहि दौरान विभिन्न योजनाक लाभुक सभक बीच योजना लाभक वितरण सेहो कयलनि। जिलाक किशनपुर प्रखंड अंतर्गत मलाढ़ स्थित पैक्स भवन परिसर मे सीएम हेलीकॉप्टर सं उतरलाह। एकर बाद ओ मलाढ़क वार्ड 12 महादलित टोल पहुंचलाह, जतय विभिन्न योजनाक उद्घाटन आ शिलान्यास कयलनि।

एहि अवसर पर हुनका संग जल संसाधन मंत्री विजय कुमार चौधरी आ ऊर्जा मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव सेहो उपस्थित रहथि। मुख्यमंत्री महादलित बस्तीक निरीक्षण करबा सं पहिने सजाओल पोखरि आ स्कूलक निरीक्षण कयलनि। एकर बाद ओ विभिन्न सरकारी योजनाक लाभार्थी सभक बीच चेकक वितरण सेहो कयलनि। हुनक ई दौरा क्षेत्रक विकास कार्य सभक समीक्षा आ नव परियोजनाक शिलान्यास करबाक उद्देश्य सं छल, जाहि सं स्थानीय लोक सभ कें आर्थिक आ सामाजिक लाभ भेटि सकय।

मलाढ़क बाद मुख्यमंत्रीक काफिला सरायगढ़ भपटियाही लेल विदा भेल। जतय सीएम नवनिर्मित आरओबी सहित पथ निर्माण विभाग सं संबंधित चारि अन्य योजनाक उद्घाटन कयलनि। एकर बाद ओ भपटियाही थानाक लेल विदा भेलाह। जतय प्रशिक्षु डीएसपी सह किशनपुर थानाध्यक्ष नीतू सिंहक नेतृत्व मे महिला पुलिस बल द्वारा हुनका गार्ड ऑफ ऑनर देल गेल।

एकर बाद सीएम नवनिर्मित भपटियाही थाना भवनक उद्घाटन आ निरीक्षण कयलनि। संगहि, थाना परिसर सं अन्य कतेको योजनाक उद्घाटन आ शिलान्यास कयलनि। सुपौल जिलाधिकारी कौशल कुमार बतौलनि जे सीएम द्वारा 224.96 करोड़क 99 योजनाक उद्घाटन आ 269 करोड़क 112 योजनाक शिलान्यास कयल गेल अछि।

मीडिया कर्मी कें समीप अयबा सं रोकल गेल

एमहर, मुख्यमंत्रीक दौराक क्रम मे प्रशासन सुरक्षा कारणक हवाला दैत मीडिया कें समीप आबय सं रोकि देलक। कार्यक्रम स्थल आ आसपास उपस्थित जनसमूह सं मुख्यमंत्री दूरी बना कए रखलनि। एतबा नहि, कार्यक्रम स्थल धरि जेबाक लेल मीडिया कर्मी कें पास सेहो देल गेल। मुदा मुख्यमंत्रीक निरीक्षण आ उद्घाटन शिलान्यास स्थल धरि जेबाक अनुमति नहि देल गेल।

मुख्यमंत्रीक कार्यक्रम चारि अलग-अलग स्थान पर निर्धारित छल। प्रत्येक कार्यक्रम स्थलक लेल मीडियाकर्मी कें चिह्नित कए अलग-अलग पास निर्गत कयल गेल छल। कार्यक्रम स्थल पर सेहो पत्रकार सभ कें एक विशेष घेरा सं आगू बढ़बाक अनुमति नहि देल गेल। एहि कारणें हुनका सभ कें समाचार आ तस्वीर संकलन मे बहुत परेशानी भेलनि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here