11.7 C
London
Sunday, March 1, 2026

युवा कांग्रेस कार्यकर्ता केलक प्रदर्शन, प्रधानमंत्रीक दहन केलक पुतला

सहरसा, समदिया

भारतीय युवा कांग्रेसक राष्ट्रीय अध्यक्ष उदय भानु चिबक गिरफ्तारी विरोध मे बुध दिन युवा कांग्रेस कार्यकर्ता सभ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक पुतला दहन कए जोरदार प्रदर्शन कएलनि।

कार्यक्रमक नेतृत्व प्रदेश युवा कांग्रेस महासचिव मृणाल कामेश कएलनि, जखनकि संचालन सहरसा विधानसभा युवा कांग्रेस अध्यक्ष बाबुल सिंह कएलनि। प्रदर्शन दौरान मृणाल कामेश कहलनि जे लोकतंत्र मे आवाज उठेनाय अपराध नहि अछि। एआई समिट दौरान भेल विरोध प्रदर्शन बाद राष्ट्रीय अध्यक्ष कें लगभग 30 घंटा धरि पूछताछ कए बाद गिरफ्तार करनाय लोकतांत्रिक मूल्यक विरुद्ध अछि।

ओ आरोप लगौलनि जे युवा कांग्रेसक आवाज दबाबय प्रयास कएल जा रहल अछि, मुदा संगठन डरेबाक नहि अछि। प्रदेश युवा कांग्रेस नेता आलोक राज कहलनि जे लोकतंत्र रक्षा लेल संघर्ष जारी रहत। जिला उपाध्यक्ष मंशु यादव सेहो गिरफ्तारीक निंदा करैत कहलनि जे दमनक राजनीति बर्दाश्त नहि कएल जाएत। कार्यक्रम मे आयुष यादव, अंकित, शब्बीर, गुड्डू, अमन, मुस्ताक, रणवीर सहित दर्जनों कार्यकर्ता उपस्थित छलाह।

=======================================

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here