मधेपुरा, समदिया
जिला मे रवि दिन भेल तेज आंधी-तूफान आ ठनका (आकाशीय बिजली) गिरबाक कारण सं अलग-अलग ठाम पर चारि गोटेक दर्दनाक मौत भ’ गेल। मृतक मे दू किसान, एक वृद्ध आ एक महिला शामिल छथि। एक किशोरी गम्भीर रूप सं झुलसि गेल छथि जेकर इलाज एकटा निजी क्लिनिक मे चलि रहल अछि। ओहि संग कतेको मवेशी के मौत भेल अछि आ अनेक मकान सभ क्षतिग्रस्त भ’ गेल अछि।
शंकरपुर: खेत मे काज क‘ रहल दू किसानक ठनका सं मौत
शंकरपुर थाना क्षेत्रक झरकाहा गाम मे रवि दिन अपराह्न मक्कइक खेत मे काज क’ रहल दू किसान सुभाष यादव (42) आ संजय कुमार यादव (34) पर ठनका गिरल।सूत्र अनुसार, लगभग तीन बजे दिन मे दुनू किसान मक्कइक फसल झंपबाक लेल खेत गेल छलाह। तेज बारिश देखि क’ ओ नजदीकी घर मे शरण लेबाक प्रयास क’ रहल छलाह, तखने हुनका पर आकाशीय बिजली गिरि पड़ल। दुनू खराब तरहे झुलसि गेलाह। ग्रामीण हुनका जेएनकेटी मेडिकल कॉलेज ल’ जायबाक प्रयास कयल, मुदा रस्ते मे दुनू कें मृत्यु भ’ गेल।
सुभाष यादव पाँच बेटी आ एक बेटाक पिता छलाह, जाहि मे सब सं छोट बेटा मात्र पाँच वर्षक अछि। संजय कुमार यादव कें सेहो दू बेटा छथि। सूचना भेटते शंकरपुर थाना अध्यक्ष रोशन कुमार मौका पर पहुँचलाह आ दुनू शव कें पोस्टमार्टम लेल मधेपुरा सदर अस्पताल पठाओल गेल।
सिंहेश्वर: 150 वर्ष पुरान पीपरक गाछ खसला सं वृद्धक मृत्यु
सिंहेश्वर प्रखंडक रामपट्टी गाम मे जोरगर बिहारि मे एकटा पुरान पीपरक विशाल गाछ गिरि पड़ल, जकर चपेट मे आबि क’ 70 वर्षीय वृद्ध बिंदेश्वरी यादवक मृत्यु भ’ गेल। ओ वार्ड संख्या 7 के निवासी छलाह आ घटनाक समय अपन घरक आगाँ मचान पर बैसल छलाह। गाछ गिरलाक संगहि ओ गंभीर रूप सं घायल भ’ गेलाह आ ओतहि प्राण त्यागि देलनि।
ओहि गाछक कारण हुनकर तीन कोठली वला घर आ हुनकर बेटाक घर सेहो खराब तरहे क्षतिग्रस्त भ’ गेल अछि।
श्रीनगर: चारा ल’ क’ घर आबि रहल महिला पर ठनका
श्रीनगर थाना क्षेत्रक लक्ष्मीपुर भगवती पंचायत अंतर्गत चैनपुर वार्ड संख्या 2 निवासी 35 वर्षीय सोफिया खातून रवि दिन अपराह्न खेत सं चारा ल’ क’ घर आबि रहल छलीह। ओहि समय तेज बारिश आ ठनका गिरल, जकर चपेट मे आबि क’ ओ घटनास्थल पर मौतक शिकार भ’ गेलीह।
हुनका संग रहल 15 वर्षीय किशोरी रजिया खातून सेहो झुलसि गेलीह, जिनका एक टा स्थानीय निजी क्लिनिक मे भर्ती कयल गेल अछि।
प्रशासन सतर्क, ग्रामीण मे दहशत
एहि प्राकृतिक आपदा सं मधेपुरा जिलाक ग्रामीण इलाका मे दहशत व्याप्त अछि। चारि लोकक असामयिक मृत्यु सं परिवार सब सदमा मे छथि। प्रशासन द्वारा राहत काज आरंभ कयल गेल अछि, आ मृतक परिवार कें सरकारी सहायता उपलब्ध करायल जेबाक आश्वासन देल गेल अछि।
मौसम विभाग द्वारा आगू दिन सभ मे फेर सं खराब मौसमक चेतावनी देल गेल अछि, आ लोक सभ सं आग्रह कयल गेल अछि जे ओ सुरक्षित जगह पर रहथि।



