9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

कांग्रेस पार्टीक ‘चलो पंचायत-चलो बूथ’ कार्यक्रम क आयोजन

बेनीपट्टी, समदिया

कांग्रेस पार्टी द्वारा ब्रह्मपुरा पंचायत मे ‘चलो पंचायत–चलो बूथ’ कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। एहि कार्यक्रम मे अखिल भारतीय कांग्रेस कमिटी के सदस्य नलिनी रंजन झा रूपन, जिलाध्यक्ष सुबोध मंडल, पूर्व जिलाध्यक्ष प्रो. शीतलांबर झा, मनोज मिश्र, नगर निगमक डिप्टी मेयर अमानुल्लाह खां सहित अनेको नेता आ कार्यकर्ता सहभागी भेलाह।

कार्यक्रम मे बूथ स्तर पर संगठन के मजबूती पर विशेष जोर देल गेल। कांग्रेस नेता नलिनी रंजन झा रूपन कहला जे— “एक समय छल जखन कांग्रेस पार्टी जिलाक सभटा सीट पर विजय हासिल करैत छल, मुदा आइ एकटा सीटो नहि बचल अछि। ई सोचय योग्य बात अछि जे आखिर कमी कतए भ’ रहल अछि, चूक कतए भ’ रहल अछि, बूथ कमजोर कतऽ सऽ भ’ गेल। एहि पर गंभीर समीक्षा करबाक आ ठोस पहल करबाक समय आबि गेल अछि।”

जिलाध्यक्ष सुबोध मंडल, पूर्व जिलाध्यक्ष प्रो. शीतलांबर झा, मनोज मिश्र, आ डिप्टी मेयर अमानुल्लाह खां समेत अन्य नेतासभ कहला जे— “कार्यकर्ता पार्टी के रीढ़ होइत अछि। एही कारणे बूथ स्तर के मजबूत बनेबाक लेल पार्टी द्वारा ‘चलो पंचायत–चलोइ   बूथ’ कार्यक्रम शुरू कएल गेल अछि। एहि अभियानक उद्देश्य अधिक सऽ अधिक लोक सभ के पार्टी सऽ जोड़ब अछि।”

वक्तासभ केंद्र आ राज्य सरकार पर जोरदार प्रहार करैत कहलनि जे एनडीए सरकार किसान, मजदूर आ गरीब विरोधी नीति चला रहल अछि। महंगाई लगातार बढ़ि रहल अछि—गैस सिलिंडर, पेट्रोल, डीजल के दाम आसमान छूबि रहल अछि। कानून व्यवस्था पूर्ण रूप सऽ ध्वस्त अछि। हत्या, लूट, चोरी आ अपराध दिन-दूगुना भ’ रहल अछि। अपराधी बेलगाम भ’ चुकल अछि, मुदा नीतीश सरकार कानून राज के दावा करब बंद नहि क’ रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here