सहरसा, समदिया
पतरघट थाना क्षेत्र मे अपराधी सभ एक बेर फेर दुस्साहसिक घटना के अंजाम देलक। मधेपुरा जिला केर बिहारीगंज सं किराना सामान लए कए सहरसा अबैत एक पिकअप चालककें रवि दिन धबौली गाम लग गोली मारि कए 12 लाख टाका लूटि लए गेल। चालक प्रदीप कुमार उर्फ दीपक मेहता कें गोली बाँहि मे लागल, जकर उपचार मधेपुरा मेडिकल कॉलेज मे भए रहल अछि आ ओ खतरा स बाहर बताओल जा रहल छथि।
घटना पतरघट थाना क्षेत्रक पस्तपार-कहरा मुख्य मार्ग पर धबौली गाम लग घटल। जानकारी अनुसार, बिहारीगंज थाना क्षेत्रक शेखपुरा निवासी पिकअप चालक दीपक कुमार, व्यापारी राम गोपाल भगतक पुत्र विशाल भगत उर्फ कैमी लेल सामान लेबाक उद्देश्य सँ मजदूर मिथिलेश यादव संग बेलेरो पिकअप सं सहरसा जायत छलाह। ओहि क्रम मे धबौली लग बाइक सवार बदमाश सभ हुनकर गाड़ी कें ओवरटेक कए रोकलक आ अचानक गोली चला देलक। बाद मे ओहि सभ व्यक्तिकें लक्षित कए नगद राशि लूटि कए भागि गेल।
घायल चालक दीपक कुमार कहला जे अपराधी सभ एकटा अल्टो कार सेहो इस्तेमाल केने छल। ओ कहला जे अपराधी हुनका संग 12 लाख टाका लूटि लेल आ मजदूर मिथिलेशक मोबाइल सेहो छिनलक। यद्यपि मोबाइल बाद मे गाड़ी मे गिरल भेटल।
घटना केर जानकारी मिलिते पतरघट थानाध्यक्ष रौशन कुमार, पस्तपार थानाध्यक्ष अरमोद कुमार, डीआईयू टीम सँ जयशंकर प्रसाद आ सदर एसडीपीओ आलोक कुमार घटनास्थल पर पहुंचलाह। मार्ग मे लागल सीसीटीवी फुटेज खंगालल जा रहल अछि। व्यापारी विशाल भगतक कथन अनुसार लूटक राशि 9 लाख टाका बताओल जा रहल अछि, मुदा पुलिस द्वारा एखन धरि राशि केर पुष्टि नहि कैल गेल अछि।
एसपी हिमांशु स्वयं घटनास्थल पर पहुंची कए निरीक्षण कएलनि आ एसआईटी टीम गठित कर अपराधी सभक गिरफ्तारी लेल आवश्यक दिशा-निर्देश देलनि। पुलिस विभिन्न ठाम पर छापेमारी शुरू कए देलक अछि। सदर एसडीपीओ आलोक कुमार कहलनि जे बहुत जल्द अपराधी सभक पहचान कए कड़गर कार्रवाई होयत।



