पटना, समदिया
बिहार प्रदेश कांग्रेस मुख्यालय सदाकत आश्रम परिसर मे रवि दिन प्रदेश किसान कांग्रेसक तत्वावधान मे किसान महासम्मेलनक आयोजन कैल गेल। “अन्नदाता के सम्मान मे कांग्रेस मैदान मे” एहि नारा संग आयोजित ई सम्मेलनक अध्यक्षता अखिल भारतीय किसान कांग्रेसक राष्ट्रीय संयोजक राजकुमार शर्मा कएलनि, जतय मंच संचालन पूर्व अति पिछड़ा विभागक अध्यक्ष कुन्दन गुप्ता द्वारा कएल गेल।
राजकुमार शर्मा अपन संबोधन मे कहलनि जे खेती आब घाटाक सौदा बनि चुकल अछि। केंद्र आ राज्य दुनू सरकार किसानक आर्थिक स्थिति मे सुधार करबाक दिशा मे कोनो प्रभावी डेग नहि उठा रहल अछि। ओ कहला जे किसान विवश भ’ खेती छोड़ि रहल छथि आ मजदूर बनि रहल छथि। एहि स्थिति सं बाहर अबै लेल किसान कें अपन उपज पर मूल्य निर्धारण करबाक अधिकार भेटबाक चाही। ओ घोषणा केलनि जे 23 सूत्री मांगक समर्थन मे समस्त जिला मे आंदोलन चलाओल जाएत।
कांग्रेस नेता मोतीलाल शर्मा कहलनि जे हरेक जिला मे किसानक समस्या अलग-अलग अछि। कोठी, नहर आ सिंचाईक सुविधा, खाद आ बीजक आपूर्ति तथा फसलक उचित दाम भेटब मुख्य चिंता अछि। ओ कहला जे कांग्रेसक जिम्मेदारी अछि जे किसानक अधिकार लेल संघर्ष के उचित मंच देल जाए।
कांग्रेस नेता अजय चौधरी कहला जे मोदी सरकार किसानक संग अन्याय क’ रहल अछि। सरकार कें चाही जे किसानक कर्ज माफ क’ दिए ताकि आत्महत्या कर’ वाला किसान कें रोकल जा सकय। ओ कहला जे सरकार द्वारा बिना ब्याजक सरल ऋणक सुविधा देल जाए ताकि खेती मे किसानक भरोसा बनल रहय।
एहि सम्मेलन मे विशेष रूप सं मोती लाल शर्मा, जमाल अहमद भल्लू, अजय चौधरी, कुंदन गुप्ता, हबीबुल्ला अंसारी, रौशन कुमार सिंह, प्रवीण कुमार, रामचन्द्र पासवान, डा. गौतम कुमार, अखिलेश्वर प्रसाद कुशवाहा, संतोष कुमार श्रीवास्तव, मो. शाहनवाज, किशोर कुमार, उमेश प्रसाद राठौर, रहमत हुसैन, रणधीर सिंह यादव, अजीत उपाध्याय, अर्जुन माझी, विवेक यादव, महेश कुमार मुखिया, नवीन कुमार, गजेन्द्र सिंह, प्रमोद राय, विनोद सिंह, डा. सुनीता, प्रभाकर झा, सोनी पासवान, सुमन कुमार सहित अनेक कार्यकर्ता उपस्थित छलाह।



