14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

कोर्ट परिसरक जेनरेटर कक्ष मे लागल आगि, लाखोक परिसंपति बर्बाद

झंझारपुर, समदिया

स्थानीय व्यवहार न्यायालय परिसर स्थित जेनरेटर कक्ष मे सोमदिन भोर करीब दस बजे अनायास आगि लागि गेल, जाहि सं सम्पूर्ण न्यायालय परिसर मे विद्युत आपूर्ति ठप्प भ’ गेल। परिणामस्वरूप न्यायिक काज सुचारू रूपेँ नहि चलि सकल आ फरियादी कें अनेक असुविधा सामना करय पड़ल।

जनतब अनुसार आगि जेनरेटर रूमक चेंजर पेनल मे लागल छल, जे अत्यधिक ताप सं भड़कि उठल। आगिक लपेटा एतेक तीव्र छल जे किछु काल धरि कोर्ट परिसर मे अफरातफरीक स्थिति उत्पन्न भ’ गेल। यद्यपि समय पर अग्निशमन विभागक वाहन पहुंचिकय आगि पर नियंत्रण क’ लेल गेल, तथापि एहि दुर्घटना सं दू-तीन लाख टाका धरि केर परिसंपतिक क्षति भ’ चुकल अछि।

दूपहर धरि दरभंगा विद्युत प्रमंडलक भवन निर्माण विभाग सं जुड़ल संवेदक कन्हैया कुमार महतो, जेई संजीव रंजन आ मिस्त्रीक एक टोली घटनास्थल पर पहुंचिकय क्षतिग्रस्त तार सभक मरम्मत आ पुनः आपूर्ति बहाल करबाक प्रयास करैत रहलाह, मुदा समाचार प्रेषण धरि विद्युत सेवा बहाल नहि भ’ सकल छल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here