9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

क्षतिग्रस्त पुल बनल जानलेवा, तीन गोटेक मृत्यु दर्जनों घायल

बेनीपट्टी, समदिया 

प्रखंडक त्योंथ पंचायत अंतर्गत तिसियाही खनुआ टोल मे स्थित पुल धँसला एक वर्ष भ’ चुकल अछि, मुदा विभाग आ प्रशासन कियो ठोस डेग नहि उठा सकल अछि। 13 जुलाई 2024 के पुलक स्लैब आ बीम क्रैक भ’ गेल छल, जकरा बाद सं पुल बंद क’ देल गेल।

एहि पुल पर एखन धरि दुर्घटना होइत रहल अछि। हालहि रविशंकर साह (32 वर्ष), जे सासुर सं लौट रहल छलाह, पुलक लग बाइक दुर्घटना मे घायल भेलाह आ इलाजक दौरान हुनकर मृत्यु भ’ गेल। ओहि सं पहिने सेहो अंधरी आ बरही गामक दू युवक लोहाक बैरियर सं टकरा क’ जान गमा चुकल छथि।

दर्जनों लोक एहि पुल पर दुर्घटनाक शिकार बनल छथि। विभाग द्वारा केवल रेडियम स्टीकर लगाक’ खानापूरी कयल गेल। 21 जुलाई के नदीक बीच डायवर्सन बना आवाजाही चालू कयल गेल, मुदा बरसात मे ई रास्ता जानलेवा बनि सकैत अछि।

8 अगस्त 2024 के विभागक उड़नदस्ता पुलक मुआयना क’ क’ निर्माणक समय भेल अनियमितता स्वीकार केलक। अभियंता सभ पुलक दोबारा निर्माणक सिफारिश केलक अछि।

2004 मे बनल ई पुल मात्र दस सालमे जर्जर भ’ गेल, आ एखन धरि कोनो ठोस पहल नहि भेल अछि। एसडीओ द्वारा विभाग कें पत्र पठायल जा चुकल अछि, मुदा लोकक नाराजगी दिन-ब-दिन बढ़ि रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here