मधुबनी, समदिया
जिलाधिकारी अरविन्द कुमार वर्माक अध्यक्षता मे समाहरणालय स्थित सभागृह मे जिला आपूर्ति टास्क फोर्सक मासिक समीक्षा बैठक आयोजित कएल गेल। जिलाधिकारी द्वारा समीक्षा के क्रम मे एजेंडावार सभ विषय पर विस्तृत समीक्षा कएल गेल आ उपस्थित अधिकारी लोकनि कें कतेको आवश्यक दिशा-निर्देश देल गेल।
खाद्यान्न वितरणक समीक्षाक दौरान मई मास मे अखन धरि रहिका प्रखंडक वितरण प्रतिशत सबसं बेसी 85% रहल, जहनकि अंधराठाढ़ी प्रखंडक वितरण प्रतिशत 66% रहल। डीएम उपस्थित सभ प्रखंड आपूर्ति पदाधिकारी कें निर्देश देलनि जे खाद्यान्न वितरण प्रक्रिया कें गंभीरतापूर्वक आ पारदर्शिताक संग पर्यवेक्षण क’ खाद्यान्न वितरणक गति मे तेजी लाओल जाय। ओ कहलनि जे सभ पात्र लाभुक कें पारदर्शिता आ सहजता सं ससमय खाद्यान्न उपलब्ध करायब सुनिश्चित कैल जाय।
ओ निर्देश देलनि जे नव राशन कार्ड निर्गत करबाक लेल बेनीपट्टी, पंडोल, बिस्फी आ हरलखी प्रखंडक आपूर्ति पदाधिकारी कें समय सीमा मे निष्पादन करबाक आदेश देल गेल अछि। राशन कार्डक प्रपत्र (ख) मे आयल आवेदननक निष्पादन मे शिथिलता पर पंडौलक प्रखंड आपूर्ति पदाधिकारी कें चेतावनी देल गेल।
जिलाधिकारी बासोपट्टी प्रखंड आपूर्ति पदाधिकारीक अयोग्य राशन कार्ड धारी कें चिन्हित क’ ससमय कार्ड निरस्त नहि करबाक पर चेतावनी देलनि। ओ राशन दोकानक नियमित निरीक्षण करबाक निर्देश देलनि आ कहलनि जे निरीक्षण केवल खानापूर्ति धरि सीमित नहि होए, बल्कि ओकर सकरात्मक परिणाम सेहो देखल जाय।
डीएम उपस्थित सभ अनुमंडल पदाधिकारी लोकनि कें निर्देश देलनि जे ओ सभ सेहो अपन निर्धारित लक्ष्य अनुसार राशन दोकानक निरीक्षण क’ प्रतिवेदन उपलब्ध कराओल जाय। ओ निर्देश देलनि जे साप्ताहिक जांचक दौरान पंचायत सभ मे जा क’ जन वितरण दोकान सभ द्वारा राशन वितरण पर ग्रामीण सभ सं फीडबैक लेल जाय।
जिलाधिकारी आदेश देलनि जे प्रत्येक बुध आ शनि कें महादलित टोल सभ मे आयोजित कैम्प मे शत-प्रतिशत पात्र लाभुक सभ कें राशन कार्ड बनाओल जाय। ओ अनुमंडल, प्रखंड आ पंचायत स्तर पर अनुश्रवण, सतर्कता आ निगरानी समितिक नियमित बैठक करबाक निर्देश देलनि। ओ प्रखंड स्तर पर कम बैठक हेबा पर असंतोष व्यक्त कएलनि आ अविलंब निर्धारित संख्या मे बैठक आयोजित करबाक आदेश देलनि।
संगहि, जिलाधिकारी अप्रैल आ मई 2025 केर खाद्यान्न उठाव आ वितरण, ऑफलाइन राशन कार्ड, राशन कार्ड टाइमलाइन प्रतिवेदन (आरटीपीएस), ऑनलाइन राशन कार्ड, आधार सीडिंग, प्रवासी मजदूर, निरीक्षण कार्य, आपूर्ति कार्यालय सँ संबंधित न्यायालयवाद, विभिन्न जनता दरबार, सीपीग्राम/मानवाधिकार/लोक सूचना/लोक शिकायत/लोकायुक्त आदि पर समीक्षा क’ आवश्यक दिशा-निर्देश देलनि।
बैठक मे प्रभारी जिला आपूर्ति पदाधिकारी शशि कुमार, अनुमंडल पदाधिकारी सदर अश्वनी कुमार, अनुमंडल पदाधिकारी जयनगर वीरेंद्र कुमार, अनुमंडल पदाधिकारी बेनीपट्टी झंझारपुर कुमार गौरव, अनुमंडल पदाधिकारी फुलपरास आ राज्य खाद्य निगम के जिला प्रबंधक सहित जिले के सभ प्रखंड के प्रखंड आपूर्ति पदाधिकारी उपस्थित छलाह।



