10.3 C
London
Thursday, April 16, 2026

‘गामक रंग’ कविता संग्रहक विमोचन समारोह सम्पन्न

मधुबनी, समदिया

जिला अधिवक्ता संघ भवनक बुद्धा हॉल मे शुक्र दिन अधिवक्ता-साहित्यकार ऋषिदेव सिंह द्वारा लिखित मैथिली कविता संग्रह गामक रंग’ केर विमोचन समारोह भव्य रूपे सम्पन्न भेल। पुस्तकक विमोचन विद्वान अधिवक्ता-साहित्य पुरस्कार प्राप्त डॉ विनय विश्वबंधु श्रीवास्तव, चंद्रपति लाल दास, कालिका प्रसाद सिंह, डॉ हर्षनाथ झा आ कविक करकमल सं संयुक्त रूपे कएल गेल।

विमोचन उपरांत वक्ता लोकनि लेखकक रचना-शैली, ग्रामीण सौंदर्य बोध आ जीवन चित्रण पर आधारित कविता संग्रह ‘गामक रंग’ केर भूरि-भूरि प्रशंसा केलनि। गोष्ठी मे दर्जनो अधिवक्ता-साहित्यकार उपस्थित छलाह, जाहि सं सभा मे गंभीरता संग साहित्यिक रस प्रवाहित होइत रहल।

कार्यक्रमक अध्यक्षता अधिवक्ता अमरनाथ झा केलनि, संगहि पूर्व अध्यक्ष वासुदेव झा, डॉ धैर्यशंकर झा, राकेश कुमार सिंह, अजय कुमार सिंह, अमित सिंह, जितेंद्र कुमार, मनोज सिंह, ललित यादव, विजय कुमार सिंह, रामशरण साह आ अजय आनंद सहित अनेक गणमान्य अधिवक्तागण अपन सक्रिय सहभागिता द’ समारोह कें गौरवशाली बना देलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here