14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

ग्रामीण जलापूर्ति पर खर्च होयत 320 करोड़ टाका

पटना, समदिया

मंगल कें पटना मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अध्यक्षता मे बिहार मंत्रिपरिषदक महत्वपूर्ण बैसक संपन्न भेल। एहि बैसक मे कुल 41 प्रस्ताव पर स्वीकृति प्रदान कयल गेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा पारित एहि प्रस्ताव सभ मे कतेको जनमहत्वपूर्ण निर्णय शामिल अछि।

मंत्रिपरिषद द्वारा पत्रकार पेंशन योजना मे संशोधनक मंजूरी देल गेल। पूर्व प्रचलित योजना अनुसार पत्रकार कें मासिक 6000 आ मृत्यु उपरांत पत्नी वा पति कें पारिवारिक पेंशन स्वरूप 3000 देल जाइत छल, जकरा बढ़ा कए क्रमशः 15000 आ 10000 कयल गेल अछि।

सरकार द्वारा राजगीर खेल अकादमी लेल 1100 करोड़ टाका स्वीकृत कयल गेल अछि। संगहि बिहार राज्य युवा आयोग मे छह पदक सृजन पर सेहो मोहर लगाओल गेल अछि।

दूध उत्पादन आ प्रसंस्करण कें बढ़ावा देबाक उद्देश्य सं राज्यक पांच जिला – दरभंगा, रोहतास, गया, सीतामढ़ी आ गोपालगंज मे नव डेयरी प्लांटक स्थापना लेल कुल 317 करोड़क व्यय स्वीकृत कयल गेल। एहि मे एकटा प्लांट एहन होयत जतय मिल्क पाउडरक निर्माण सेहो होयत। राज्यक लगभग सवा लाख आंगनबाड़ी केंद्र हेतु उपकरण, फर्नीचर आ आवश्यक बरतनक खरीद लेल 115 करोड़ टाकाक स्वीकृति देल गेल।

सुपौल जिला मे भूगर्भीय जल स्तरक गिरावट आ जल मे आयरनक अत्यधिक मात्रा कें देखैत सरकार द्वारा सुरसर नदी सं जल लए 27 एमएलडी आ 4 एमएलडी क्षमता बला बहुग्रामीण जलापूर्ति योजना पर 320 करोड़ खर्च कयल जाएत। एहि योजना सं 23 पंचायतक 63 गामक 318 वार्ड लाभान्वित होयत। मंत्रिपरिषद द्वारा दरभंगा आ गोपालगंज जिला मे नव केंद्रीय विद्यालयक स्थापना लेल एक-एक टोकन टाकाक मूल्य पर भूमि उपलब्ध करेबाक निर्णय लेल गेल अछि।

पटना शहरक नेहरू पथ पर डॉ. राम मनोहर लोहिया पथ चक्रक निर्माण कार्य लेल 675 करोड़ टाकाक प्रशासनिक स्वीकृति देल गेल अछि, जाहि सं नेहरू पथ पर यातायात जामक समस्या सं छुटकारा भेटत आ सुरक्षित आवागमन सुनिश्चित होयत।

एम्स सं दीघा रेल-सह-सड़क पुलक पटना छोर धरि दू लेनक सड़क आ चारि लेन एलिवेटेड रोडक निर्माण लेल 1368 करोड़ टाका स्वीकृत कयल गेल अछि। एहि सं जेपी गंगा पथ आ एम्स पहुंचबामे सुविधा भेटत।

छपरा जिला मे गांधी चौक सं नगर पालिका चौक धरि फ्लाईओवर निर्माण लेल 696 करोड़ टाकाक प्रस्ताव कें सेहो स्वीकृति देल गेल। एहि प्रकारें मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक नेतृत्व मे आइ कैबिनेट बैसक राज्यक आधारभूत संरचना, शिक्षा, स्वास्थ्य, जल आपूर्ति आ जनकल्याणक क्षेत्र मे महत्वपूर्ण निर्णयक साक्षी बनल।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here