पटना, समदिया
मिथिलाक प्रमुख साहित्यिक-सांस्कृतिक संस्था चेतना समिति, जकर स्थापना 1954 ई. मे भेल छल, ताहि मे नव पदाधिकारीक चुनाव आइ लेडी स्टीफेंस हॉल मे संपन्न होयत। एहि बेर दू पैनल ऋषि मिश्रा पैनल आ विवेकानंद झा पैनल चुनावी मैदान मे आमने-सामने छथि। अध्यक्ष, उपाध्यक्ष, सचिव, कोषाध्यक्ष समेत विभिन्न पद लेल मतदान होयत, जे संस्थाक नव दिशा आ कार्यप्रणाली तय करत। मतगणना सेहो मतदान उपरांत आइये संपन्न होयत। चेतना समिति मिथिला क्षेत्र मे मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृति केर संरक्षण-संवर्धन लेल सतत कार्यरत रहल अछि। नव कार्यकारिणीक गठन सं संस्था मे नव ऊर्जा आ विचारधारा प्रवेश करबाक आशा कयल जा रहल अछि। मतदाता मे उत्साह देखल जा रहल अछि आ समस्त साहित्यिक समाजक नजरि एहि चुनाव पर टिकल अछि।



