अलीनगर (दरभंगा), समदिया
पकड़ी चौक स्थित आइडियल पब्लिक स्कूलक बच्चा सभ एक प्रेरणादायक संकल्प लैत अपन जन्मदिन कें खास बना रहल छथि। ओ सभ तय केने छथि जे आब जन्मदिन पर केक नहि काटत, बल्कि वृक्षारोपण क’ पृथ्वी कें स्वच्छ पर्यावरणक संदेश देत।
विद्यालयक निदेशक श्री अरुण कुमार सिंह जानकारी दैत कहलनि जे ई अभियानक शुभारंभ 5 जून 2024 कें विश्व पर्यावरण दिवसक अवसर पर भेल। ताहि दिन सं शुरू भ’ क’ एखन धरि विद्यालयक कतेको छात्र-छात्रा जेना रौनक कुमार, अखिलेश झा, आदर्श कुमार झा, मीनाक्षी कुमारी, कनक कुमारी आदि अपन जन्मदिन पर केक काटब सं इनकार क’ गाछ लगा क’ पर्यावरण रक्षा मे अपन योगदान देलनि।
आजुक दिन 25 जून कें छठम वर्गक छात्र कृष्णा कुमार चौधरी अपन जन्मदिनक अवसर पर नीमक पौधा ल’ विद्यालयक बगैचा मे पहुँचल। ओ शिक्षक लोकनि आ सहपाठी सभक उपस्थिति मे पौधारोपण कएल आ “हैप्पी बर्थडे टू कृष्णा” केर संग संग पूरा वातावरण थपरी सं गुंजायमान भ’ उठल।
विद्यालयक प्राचार्य श्री विकास कुमार सिंह एहि अवसर पर छात्रक प्रयासक सराहना कएलनि। संगहि शिक्षक प्रमोद साहू, सहदेव यादव, अंकुश कुमार, नवीन झा, कुंदन सिंह, सरोज साहू, अविनाश झा, रिया कुमारी, आरती कुमारी, राधा कुमारी समेत अनेको शिक्षक उपस्थित रहलाह।



