जयनगर (मधुबनी), समदिया
भारत-नेपाल मैत्री रेल परियोजना अंतर्गत जयनगर सं जनकपुर धरि नेपाली रेल मार्ग पर रवि दिन सं नव ट्रेन रैक, अर्थात् सामान्य डीजल मल्टीपल यूनिट (डीएमयू) बोगी सहित ट्रेनक परिचालन प्रारंभ कयल गेल। ई जानकारी जनकपुर स्थित नेपाली रेलवे स्टेशन मास्टर श्रवण लाल मीणा द्वारा देल गेल अछि।
ओ बतौलनि जे वर्तमान मे तीन वर्ष पुरान नेपाली ट्रेनक रैक कें मरम्मति आ रख-रखाव लेल भेजल गेल अछि। एहि कारणे अस्थायी रूप सं लखनऊ सं बीतल सोम दिन जयनगर पहुँच चुकल डीएमयू प्रकारक चारि बोगी आ दुनू कात इंजन सुसज्जित नव ट्रेनक परिचालन प्रारंभ कएल जा रहल अछि। पूर्ववत् ढंग सं प्रतिदिन तीन फेरा मे ई ट्रेन आब जयनगर सं जनकपुर आओर जनकपुर सं जयनगर धरि चलैत रहत।
नव ट्रेन रैक यात्रिक लेल पूर्वक अपेक्षा बेसी सुविधा देत। बेसी सीटक व्यवस्था आ डीएमयू संरचना होयबाक कारण यात्राक अनुभव आरामदायक होएत। जा धरि पुरान ट्रेनक रैक मेंटेनेंस क’ कए पुनः नहि आबि जाइत अछि, ततबा दिन धरि एहि नव डीएमयू ट्रेनक माध्यम सं परिचालन जारी राखल जायत।
उल्लेखनीय अछि जे जयनगर-जनकपुर रेल मार्ग पर भारतीय सहयोग सँ निर्मित ई अन्तरराष्ट्रीय रेलमार्ग पर विगत तीन वर्ष सं नेपाली रैक पर ट्रेन चलैत रहल। आब अस्थायी नव व्यवस्था सं यात्री सेवा निर्विघ्न रूप सं चालू राखल जा रहल अछि।



