17.9 C
London
Thursday, April 23, 2026

जयनगर मे नशीली दवाइक संग तस्कर गिरफ्तार

जयनगर, समदिया
भारत-नेपाल सीमा पर लगातार बढ़ि रहल नशीली दवाइ सभक तस्करी पर रोक लगेबाक उद्देश्य सं सशस्त्र सीमा बल (एसएसबी) के जवान सभ एक पैघ सफलता हासिल केलक अछि। डिप्टी कमांडेंट विवेक ओझा के नेतृत्व मे ई कार्रवाई भारत-नेपाल सीमा चौकी कमला कए जिम्मेवारी क्षेत्र मे कएल गेल।

गुप्त सूचना केर आधार पर एसएसबी के जवान आ स्थानीय पुलिस संयुक्त रूप सं जयनगर नगर क्षेत्रक पटना गद्दी रोड स्थित एक दवा दुकान पर अचानक छापामारी केलक। छापामारी दौरान 2764 बोतल कोडीन युक्त कफ सिरप, 88615 पीस नशा केर टेबलेट, 4600 नशीला इंजेक्शन, 1 लाख 64 हजार 690 भारतीय रुपया, 1500 नेपाली रुपया, दू मोटरसाइकिल आ दू मोबाइल बरामद कएल गेल।

मौका पर मौजूद 28 वर्षीय कारोबारी रितेश कुमार, पिता- रविन्द्र प्रसाद सिंह, घर- छतौनी, के गिरफ्तार कए आवश्यक पूछताछक उपरांत स्थानीय थाना कें सुपुर्द कएल गेल। डिप्टी कमांडेंट विवेक ओझा जानकारी देलनि जे विशेष अभियानक तहत ई छापामारी कएल गेल अछि, जे सीमा पर नशा तस्करी कें ल’ क’ चिंताजनक बनल स्थिति के नियंत्रित करबाक दिशा मे एक महत्वपूर्ण कार्रवाई अछि। ओना त तस्करीक एहि नेटवर्क मे आरो लोकक संलिप्तता कें ल’ क’ अनुसंधान जारी अछि, मुदा ई सफलता एसएसबी आ स्थानीय प्रशासन लेल एक सकारात्मक संकेत अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here