देवघर, समदिया
झारखंडक देवघर जिलामे मंगलदिन 29 जुलाई कें एकटा भीषण सड़क दुर्घटना भेल अछि। भोरे करीब चारि बजे कांवड़िया सं भरल 32 सीटर बस आ एकटा ट्रक मे जबरदस्त टक्कर भेल, जकर बाद बस करीब 100 सं 200 फीट दूर जा कए ईंटाक ढेर सं टकरा गेल। एहि हृदयविदारक घटना मे सात श्रद्धालुक मृत्यु भए गेल अछि, जहनकि कतेको लोक गंभीर रूप सं घायल भेल छथि। प्राप्त सूचना अनुसार मृतकमे सं पांच लोक बिहार निवासी छलाह। मृत व्यक्तिक सूची मे बसक चालक सेहो शामिल अछि।
देवघर मे भेल एहि दुर्घटना सं शोक पसरि गेल अछि। मृतकमे शामिल पांच बिहारवासीक पहिचान सुमन कुमारी (गया जिलाक सोनारा, परबतिया), पीयूष (नया गांव, वैशाली), दुर्गावती देवी (पतराती, बेतिया), जानकी देवी (पतराती, बेतिया) आ संता देवी (पटना) केर रूप मे भेल अछि। संगहि, बसक चालक सुभाष तुरी (चकरमा, मोहनपुर, देवघर) सेहो एहि दुर्घटनामे अपन प्राण गमा देने छथि।
एहि दुर्घटनामे घायल भेल कतेको कांवड़िया सभक स्थिति अत्यंत गंभीर बनल अछि। दुर्घटना देवघर जिलाक मोहनपुर प्रखंड अंतर्गत जमुनिया चौक समीप नावागांव मे भेल। टक्करक बाद बस गंभीर रूप सं क्षतिग्रस्त भए गेल, आ बहुतो मृत शरीर मलबामे दबा गेल छल, जकरा सभकें बादमे निकालल गेल।
घटनास्थल पर पहुंचि कए सदर एसडीओ रवि कुमार कहलनि जे दुर्घटनाक सटीक कारण तत्काल स्पष्ट नहि भेल अछि, मुदा प्रारंभिक जानकारी अनुसार चालक कें झपकी लागि गेल छल, जाहि सं वाहन पर ओकर नियंत्रण नहि रहल। ओ कहलनि जे अहि संग थाकल कांवड़िया यात्राक बाद विश्राम मे छलाह, संभवतः थकानक कारण चालक कें नींद आबि गेल होएत, जाहि कारणें ई दुर्घटना घटल।
एहि संबंध मे एसडीओ रवि कुमार कहलनि जे भोरे चारि-पांच बजेक बीच हमरा सभकें सूचना भेटल जे देवघर सं बासुकीनाथ जा रहल 32 सीटर बस अनियंत्रित भए एकटा ट्रक सं टकरा गेल आ फेर असंतुलित भए कए ईंटाक ढेर मे घुसि गेल। चालकक घटनास्थले पर मृत्यु भए गेल। पांच श्रद्धालुक मृत्यु भेल अछि आ 23 लोक घायल छथि, जिनकर इलाज चलि रहल अछि।
घटनास्थल पर उपस्थित एकटा कांवड़िया, जे जहानाबाद जिलाक मखदुमपुर थाना अन्तर्गत डकरा गामक निवासी छथि, जानकारी दैत कहलनि जे हम सभ देवघर सं बाबा धाम मे जलार्पण कए बस स्टैंड अयलहुं, ओहि ठाम सं बस पकड़ि कए बासुकीनाथ जा रहल छलहुं। रस्तामे एकाएक बस-ट्रक टकरा गेल। घटनास्थल परे पांच-छह लोकक मृत्यु भए गेल। हम तं अपन परिवारक लोकक निकालय मे लागि गेलहुं। हमर एकटा संबंधीक पैर टूटि गेल आ दोसरक हाथमे फ्रैक्चर अछि।
श्रावणी मेलाक तेसर सोमवारी पर भक्तजन देवघर स्थित बाबा वैद्यनाथ धाम पर जलार्पण कए बासुकीनाथ दिस प्रस्थान केने छलाह। एहेन समय मे एहि दुखद दुर्घटनाक समाचार सं संपूर्ण मिथिला आ झारखंड मे शोकक वातावरण व्याप्त भए गेल अछि। टक्कर एतेक जोरदार छल जे बसक परखच्चा उड़ि गेल। प्रशासन द्वारा राहत कार्य तीव्रता सं चलाओल जा रहल अछि।



