भागलपुर, समदिया
कहलगांव प्रखंड अन्तर्गत भोलसर गाम निवासी राजकिशोर सिंहक 18 वर्षीय पुत्री रुक्मणी कुमारी विगत तीन दिन सं लापता छथि। एहि संबंध मे रुक्मणीक माता स्नेहलता देवी द्वारा रसलपुर थाना मे आवेदन द’ क’ बेटी कें अपहरण कएल जेबाक आरोप रुक्मणीक सहेली सोनम कुमारी पर लगाओल गेल अछि।
प्राप्त जानकारी अनुसार, रुक्मणी बिहपुर प्रखंड स्थित बापू उच्च विद्यालय, दयालपुर मे प्लस टू के छात्रा छलीह। ओहि विद्यालय मे सोनम कुमारी सेहो पढ़ैत छलीह, जे झंडापुर थाना क्षेत्रक आलियाबाद गाम निवासी सतीश महालदारक पुत्री छथि। दुनू गोटेक बीच गहिर मित्रता छल।
स्नेहलता देवी द्वारा देल आवेदन मे कहल गेल अछि जे दिनांक 4 जून कें सोनम, रुक्मणी कें फोन क’ कहलनि जे हुनकर बहिन नीटक तैयारी क’ रहल छथि आ ओ घर पर छथि। सोनम द्वारा कहल गेल जे जं रुक्मणी अपन सर्टिफिकेट ल’ क’ ओकरा घर आबथि, त’ ओ ओकर “नौकरी लगबा” देत। रुक्मणी मेडिकल परीक्षाक तैयारी करबाक इच्छुक छलीह, ताहि सं ओ ओकर बात मे आबि गेलीह।
रुक्मणी 5 जून कें भोरक करीब 6:30 बजे घर सं निकललीह। शुरू मे हुनकर मोबाइल ऑन रहल, मुदा 11 बजे सं मोबाइल बंद बताब’ लागल। परिजन द्वारा लगातार खोजबीन करबाक बावजूद तीन दिन बादो रुक्मणीक कोनो सुराग नहि भेटल अछि।
स्नेहलता देवीक आरोप अछि जे सोनम जानबूझि क’ बेटी कें नौकरीक लालच द’ फँसौलनि आ ओकर अपहरण करबा देलनि। ओ अनहोनीक आशंका सेहो जता रहल छथि।
रसलपुर थाना अध्यक्ष द्वारा जनायल गेल जे आवेदन प्राप्त भेल अछि। पुलिस टीम गठित क’ काज शुरू क’ देल गेल अछि। जल्दिए संपूर्ण मामलाक खुलासा कयल जायत।
ग्रामीण इलाका मे एहि घटना कें ल’ क’ बेचैनी देखल जा रहल अछि। परिजन सोनम सहित ओकर सम्पर्क मे आबयवला सभ पर कड़गर कार्रवाई करबाक मांग क’ रहल छथि।



