17.9 C
London
Thursday, April 23, 2026

तेजस्वी यादवक नेतृत्व मे 17 मास मे 5 लाख नौकरी देल गेल : इंद्राणी राय

सीतामढ़ी, समदिया

रुन्नीसैदपुर विधानसभा क्षेत्रक टिकौली पंचायत अंतर्गत दसई गाम मे राजद महिला प्रकोष्ठक जिलाध्यक्ष इंद्राणी राय लोकसभाक चुनावक मद्देनजर घर-घर जा जनसंपर्क केलनि। ओ लोक सभ सं अपील केलनि जे राजद नेता तेजस्वी प्रसाद यादव कें मुख्यमंत्री बनेबाक लेल एकजुट भ’ मतदान करू।

श्रीमती राय कहली जे तेजस्वी यादवक नेतृत्व मे केवल 17 मास मे 5 लाख बेरोजगार केँ नौकरी देल गेल, जे भारतक कोनो आन मुख्यमंत्री द्वारा नहि कयल गेल अछि। ओ विशेष रूप सं महिलाक अधिकार आ सम्मान कें ध्यान मे राखि महिला कें नौकरी मे आरक्षण देबाक काज कयलनि।

ओ कहलनि जे तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री बनिते महिलासभ कें प्रतिमाह 2500 टाका वृद्धा पेंशन देल जायत। वर्तमान सरकार द्वारा देल जा रहल 400 टाका वृद्धा पेंशन कें बढ़ा क’ 1500 टाका कएल जायत, संगहि गैस सिलिंडर 500 मे आ 200 यूनिट बिजली मुफ्त देबाक घोषणा सेहो कयलनि।

राजद महिला नेत्री केंद्र सरकार आ राज्य सरकार पर निशाना साधैत कहली जे मोदी सरकार महिलासभक लेल कोनो ठोस काज नहि कयलक अछि। नीतीश कुमार सरकार महिला कें अपमानित करबाक काज करैत रहल अछि। एहन सरकार कें बदलिकय तेजस्वी यादव कें मुख्यमंत्री बनाबय पड़त।

श्रीमती राय विशेष रूप सं महिलासभ सं आग्रह केलनि जे राजद कें समर्थन द’ तेजस्वी यादव कें मुख्यमंत्री बनेबाक राह प्रशस्त करू, जाहि सं गरीब, पिछड़ा वर्ग आ महिला वर्गक अधिकार सुरक्षित रहय।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here