अंधराठाढ़ी (मधुबनी), समदिया
प्रखंड अंतर्गत रुद्रपुर थाना परिसर मे शुक्र दिन कुल 277.26 लीटर देशी आ विदेशी शराब के विधिवत रूप सं विनष्ट कएल गेल। ई संपूर्ण कार्रवाई अंचलाधिकारी प्रियदर्शनी केर निगरानी मे कएल गेल। थाना अध्यक्ष आयशा कुमारी जानकारी दैत कहलनि जे विभिन्न 17 कांड सभक तहत जब्त शराब उच्चाधिकारी लोकनिक आदेश पर नष्ट कएल जा रहल अछि।
शराब विनष्टीकरणक प्रक्रिया अनुसार जेसीबी मशीन द्वारा गड्ढा खोदल गेल, तत्पश्चात शराबक बोतल सभ कें कुचि क’ माटिक नीचां दबा देल गेल। एहि सं शराबक पुनः उपयोग अथवा तस्करी पर पूर्ण विराम लगेबाक प्रयास प्रशासनक ओर सं कएल गेल।
शराब नष्टिक्रमक समय रुद्रपुर थाना अध्यक्ष आयशा कुमारी संग अंचलाधिकारी सुश्री प्रियदर्शनी एवं उत्पाद थाना झंझारपुर सं आयल पुलिस पदाधिकारी सभ सेहो उपस्थित छलाह। प्रशासन द्वारा एहि प्रकारक कठोर कदम अवैध शराबक विरुद्ध सरकारक जीरो टॉलरेंस नीति कें दर्शबैत अछि।



