दरभंगा, समदिया
दरभंगा जिलाक तारडीह प्रखंड क्षेत्रक दादपट्टी गाम निवासी गोपाल झा जीक सुपुत्री चांदनी झा, अपन गायकी प्रतिभा सं फॉक भारत सिंगिंग रियलिटी शो में नव पहिचान बना रहल छथि। 29 जून कें प्रसारित एपिसोड मे चाँदनी झा मैथिली संस्कृति पर आधारित ‘झिझिया’ गीतक प्रभावशाली प्रस्तुति देलनि, जाहि पर दर्शकसभ आ जज लोकनि द्वारा भरपूर सराहना भेटल।
एहि सं पूर्व चांदनी झा द्वारा डहकन गीतक प्रस्तुति सेहो मंच पर गूंजि उठल छल। हुनक स्वर, भाव-भंगिमा आ लोक-संस्कृति कें प्रति समर्पण दर्शकसभ कें भावविभोर क’ देने छल। शो केर निर्णायक मंडल मे सुप्रसिद्ध लोकगायिका स्वाति मिश्रा, लोकगायक आलोक कुमार तथा मंच संचालन फ़िल्म अभिनेत्री व सुप्रसिद्ध गायिका अक्षरा सिंह द्वारा कएल जा रहल अछि।
चांदनी झाक सफलता पर दादपट्टी गाम मे हर्षक माहौल अछि। हुनक पिता गोपाल झा कहलनि, चांदनी सदैव सं गायकी मे रुचि रखने रहथि, हमरा सब कें गर्व अछि जे ओ मैथिली भाषा आ संस्कृति कें राष्ट्रीय मंच पर पहुंचा रहल छथि। ई प्रस्तुति केवल एक कलाकारक यात्रा नहि, बल्कि मिथिला के सांस्कृतिक विरासतक राष्ट्रीय मंच पर स्थापित करबाक दिशा मे एक महत्वपूर्ण डेग अछि।



