18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

देवघर मे साओनक तेसर सोमवारी पर श्रद्धालुक भारी भीड़

देवघर स्थित पावन नगरी बाबा बैद्यनाथधाम मे साओन मासक तेसर सोमवारी पर श्रद्धा आ आस्था केर अद्भुत संगम देखबाक अवसर भेटल। सोमवारी भोर सं शहरक प्रत्येक दिशा “हर-हर महादेव” केर घोष सं गूंजय लागल। भिनसरे  सं श्रद्धालु सभक भारी भीड़ मंदिरक ओर प्रस्थान कएलक, आ आठ किलोमीटर लंबा कतार लागल रहय। कांवरिया लोकनिक उत्साह आ भक्ति देखय जोग छल।

भोर तीन बजे खोलल गेल बाबा बैद्यनाथ केर कपाट

सोम भोर तीन बजे बाबा बैद्यनाथ मंदिरक कपाट श्रद्धालु सभक दर्शनार्थ खोलल गेल। परंपरागत सरदारी पूजाक उपरांत, चारि बजे सं सामान्य कांवरिया लोकनि लेल जलार्पणक प्रक्रिया प्रारंभ कएल गेल। बाबा पर अरघा केर माध्यम सं भक्तगण गंगाजल चढ़ा रहल छथि।

मंदिर प्रशासन एहि बेर विशेष व्यवस्था रूप मे बाह्य अरघा सेहो स्थापित केने अछि, जाहि सं ओ श्रद्धालु जे लंबा कतार मे नहि ठाढ़ भऽ सकैत छथि, ओ मंदिर प्रांगण मे स्वयं जलार्पण कऽ सकैत छथि।

श्रद्धालु सभक सहूलियत लेल एलईडी स्क्रीन सं सीधा प्रसारण

श्रद्धालु सभक दर्शनक सुविधा लेल मंदिर प्रांगण मे विशाल एलईडी स्क्रीन लगाओल गेल अछि, जाहि पर बाबा बैद्यनाथ मंदिरक समस्त धार्मिक क्रियाकलापक सीधा प्रसारण कएल जा रहल अछि। एहि सं ओ श्रद्धालु जे कतार मे छथि वा भीतर प्रवेश नहि कऽ पबैत छथि, ओहो दूर सं सहजतापूर्वक बाबा केर दर्शन कऽ सकैत छथि।

रूट लाइन पर लगातार निगरानी, उपायुक्त स्वयं लए रहल छलाह जायजा

देवघरक उपायुक्त नमन प्रियेश लकड़ा जानकारी देलनि जे सोमवारी दिनक भीतर लगभग 3.50 लाख श्रद्धालु बाबा पर जल चढ़ाबै कें अनुमान अछि। एहन विशाल जनसमूहक व्यवस्था आ सुरक्षा लेल समुचित प्रबंध कएल गेल अछि। रूट लाइन पर लगातार निगरानी राखल जा रहल अछि, जाहि सं कोनो श्रद्धालु कें असुविधा नहि होअय।

बी.एड कॉलेज मे पंडाल, राति सं कतार मे ठाढ़ श्रद्धालु लेल विश्रामक व्यवस्था

श्रद्धालु सभक विश्राम आ विश्रांति हेतु बी.एड कॉलेज परिसर मे विशाल डोम पंडाल बनाओल गेल अछि। राति सं कतार मे ठाढ़ कांवरिया लोकनि कें ओहि स्थान पर विश्राम आ छाया केर सुविधा देल जा रहल अछि, जाहि सं ओ अपन बारीक प्रतीक्षा शांति सं कए सकथि।

बाबा बैद्यनाथ मंदिरक पुरोहित सभ जनौलनि जे साओनक सोमवारी संग चतुर्थी तिथिक संयोग धर्मशास्त्र अनुसार अतिशय पुण्यदायक मानल जाइत अछि। एहि अवसर पर गंगाजल आ बेलपत्र सं बाबा भोलेनाथ केर जलाभिषेक करनाइ विशेष फलदायक मानल जाइत अछि, जाहि सं भक्तक मनोकामना पूर्ण होइत अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here