9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

नगर परिषदक घेराव करत एमएसयू, चलाओल जायत वार्ड दस्तक अभियान

दरभंगा, समदिया

मिथिला स्टूडेंट यूनियनक नगर अध्यक्ष संतोष साहू, प्रखंड अध्यक्ष गौतम कुमार झा आ गोपाल झाक नेतृत्व मे नगर परिषद जन-जागरण सेमिनार कर्पूरी सभागार मे सम्पन्न भेल। कार्यक्रम मे नगरक 29 वार्ड सभ सं आयल युवा आ छात्र प्रतिनिधि सभ अपन-अपन क्षेत्रक समस्या सभ मंच पर रखलनि। सेमिनारक उद्देश्य नगर परिषद मे पसरल भ्रष्टाचार, सुविधाक कमी आ जनहितक अनदेखीक विरुद्ध जनमत तैयार करब छल। मंच संचालन प्रखंड अध्यक्ष गौतम झा केलनि। नगर अध्यक्ष संतोष साहू कहलनि जे नगर परिषदक योजनासभ सिर्फ कागज पर चलि रहल अछि। जनता कें कोनो लाभ नहि भेटि रहल अछि। जल-जमाव, टूटल सड़क, जाम नाला आ गंदगी सं लोक परेशान छथि। आब चुप नहि रहल जाएत, सवाल उठाओल जाएत।

गौतम झा कहलनि जे सब मास करीब 34 लाख टाका एनजीओ कें स्वच्छताक नाम पर देल जा रहल अछि, तखनहुं कोनो वार्ड मे नियमित सफाई नहि भए रहल अछि। ई भ्रष्टाचार आ जनधनक दुरुपयोग अछि। सफाई व्यवस्था ध्वस्त अछि। जल-जमाव सं जीवन कठिन भए गेल अछि। जनप्रतिनिधि चुप किएक छथि?

ओतै गोपाल झा कहलनि जे सभ वार्ड मे मोहल्ला क्लिनिक खोलल जाए ताकि सामान्य लोक कें प्राथमिक स्वास्थ्य सुविधा भेटि सकय। नल-जल योजना पूर्ण रूपेण फेल अछि। लोक कें पीबाक पानि धरि नहि भेटि रहल अछि। राष्ट्रीय महासचिव वीरेंद्र कुमार आ विद्या भूषण राय कहलनि जे प्रत्येक वार्ड मे स्वच्छता, बिजली आ स्वास्थ्य जनताक अधिकार अछि। हाईमास्ट लाइट योजना मे भारी गड़बड़ी भेल अछि। लाइट गलत स्थान पर लागल अछि। सरकारी राशिक दुरुपयोग भेल अछि। एकर निष्पक्ष जांच होयबाक चाही।

जिप सदस्य धीरज झा आ मिथिलावादी नेता रजनीश प्रियदर्शी कहलनि जे नगर राति मे रौशनी सं जगमग करय, मुदा लूट आ भ्रष्टाचार सं नहि। पारदर्शी व्यवस्था आ जवाबदेही जरूरी अछि। जिप सदस्य सागर नवदिया आ अमित ठाकुर घोषणा कएलनि जे 30 जून कें नगर परिषदक घेराव कयल जायत। एहि सं पूर्व सम्पूर्ण नगर क्षेत्र मे वार्ड दस्तक अभियान चलत। सभ वार्ड सभ मे जनसभा कए जनता कें नगरक बदहाली आ अधिकार सभक प्रति जागरूक कयल जायत।

कार्यक्रमक अंत मे युवासभ कें संगठनात्मक जिम्मेदारी देल गेल। वार्ड अध्यक्ष नियुक्त कएल गेल जाहि मे प्रहलाद कुमार – वार्ड 22, संजीत – वार्ड 01, सागर झा – वार्ड 02, अभिषेक झा – वार्ड 02 (सचिव), रविकांत झा – वार्ड 28, गोपीकृष्ण झा – वार्ड 29, अर्जुन जी – वार्ड 15, सलीम जी – वार्ड 19, हयातुल्लाह जी – वार्ड 05। सभ के नियुक्तिपत्र सौंपल गेल। नेतासभ हुनकर उज्जवल भविष्यक कामना केलनि।

कार्यक्रम मे बहेड़ा कॉलेज अध्यक्ष घनश्याम झा, कॉलेज प्रभारी लक्ष्मण झा, नगर सचिव नीतीश वत्स, दिलीप पासवान, झमेली राम, रोहित मिश्र, नवीन सहनी (प्रदेश सचिव), अनीश चौधरी (विवि अध्यक्ष), अभिषेक बस्कटिया, रणधीर झा बाबा, गौतम चौधरी, आशुतोष झा, मो. नेयाज, सुमित मौबेहटिया। सैकड़ों युवासभ केर गरिमामयी उपस्थिति रहल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here