18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

निजी प्रेस सं काज छीनल गेलाक विरोध मे मुद्रक संगठन केलनि लोकमंच सं भेंट

पटना, समदिया
पटना मे मुद्रक आ पेपर व्यवसायिक संगठनक प्रतिनिधिमंडल भारतीय लोकमंचक राष्ट्रीय अध्यक्ष साधु शरण पांडेय आ राष्ट्रीय प्रधान महासचिव अभिनेता कुणाल सिकंद सं भेंट क’ अपन समस्यासभक जानकारी देलनि।

प्रतिनिधिमंडलक कहब छल जे बिहार सरकार निजी मुद्रण प्रेस सं विद्यालय स्तरीय परीक्षा सामग्रीक छपाईक काज छीन्हि क’ ओकरा बिहार सं बाहरक उद्योगपतिसभ कें सौंपि देलक, जाहि सं हजारो स्थानीय प्रेस, कागज विक्रेता आ एहि सं जुड़ल लाखो लोक बेरोजगारी आ भुखमरीक कगार पर पहुँचि गेलाह।

ओ लोकनि जनौलनि जे पहिने विद्यालय स्तर पर प्रथम आ द्वितीय सावधिक परीक्षा लेल प्रश्न-पत्र, उत्तर पुस्तिका, ओएमआर शीट, विद्यालय डायरी आदि छपबाक काज निजी प्रेस करैत छल, आ ओहि काज स लोकनि अपन रोजी-रोटी चला रहल छलाह। बहुतो व्यवसायी जीएसटी रजिस्ट्रेशन करौलनि, बैंक सं लोन लेलनि, मुदा 2023 मे परीक्षा संचालनक सम्पूर्ण जिम्मेदारी बिहार बोर्ड कें सौंपि देल गेल, आ पूरा काज बाहरी एजेंसिक हाथ मे चलि गेल।

प्रतिनिधिमंडल एतबे नहि, बल्कि इहो कहलक जे सरकार द्वारा छात्र-छात्रा कें मुफ्त मे बाँटल जा रहल कॉपी सेहो बिहार स बाहर बनि रहल अछि, जखनकि बिहार मे सेहो ओहि कॉपीक निर्माण संभव छल। एहि सं राज्य कें आर्थिक क्षति भ’ रहल अछि।

एहि संदर्भ मे लोकमंचक राष्ट्रीय महासचिव कुणाल सिकंद कहला जे व्यवसायिक संगठनक समस्या मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ केंद्रीय शिक्षा राज्यमंत्री चौधरी जयंत सिंह कें पत्र माध्यम सं अवगत कराओल जा चुकल अछि। लोकमंचक राष्ट्रीय अध्यक्ष साधु शरण पांडेय आश्वस्त करेलनि जे लोकमंच शीघ्र मुख्यमंत्री सं भेट क’ समस्त परिस्थिति सं अवगत कराओत आ जा तक समाधान नहि भेटत, लोकमंच संघर्षरत रहत।

ई प्रतिनिधिमंडल रामा शंकर मोदीक नेतृत्व मे लोकमंच सं भेट कएलक, जतए समाजसेवी अनिल मेहता सेहो उपस्थित छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here