9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

न्यायमूर्ति भूषण रामकृष्ण गवई बनलाह भारतक चीफ जस्टिस

नई दिल्ली, एजेंसी

न्यायमूर्ति भूषण रामकृष्ण गवई बुधदिन भारतक प्रधान न्यायाधीश (मुख्य न्यायाधीश – सीजेआई) केर पद ग्रहण केलनि। हुनका राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू शपथ दियौलनि। राष्ट्रपति भवन मे शपथ ग्रहण समारोहक दौरान सीजेआई बी.आर. गवई प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी, उपराष्ट्रपति जगदीप धनखड़, पूर्व राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद सहित आन गणमान्य व्यक्तिक अभिवादन स्वीकार केलनि। न्यायमूर्ति गवई न्यायमूर्ति संजीव खन्नाक स्थान पर पदभार ग्रहण केलनि, जे एक दिन पूर्व सेवानिवृत्त भेलाह।

एकर पूर्व, बीतल माहक 30 तारीख कें कानून मंत्रालय न्यायमूर्ति गवई कें भारतक 52म मुख्य न्यायाधीशक रूप मे नियुक्त करबाक अधिसूचना जारी केने छल। 16 अप्रैल कें तत्कालीन सीजेआई संजीव खन्ना केंद्र सरकार कें गवईक नाम पर अनुशंसा केने छलाह। परंपरा अनुसार, वर्तमान सीजेआई अपन उत्तराधिकारीक रूप मे सर्वोच्च न्यायालयक वरिष्ठतम न्यायाधीशक अनुशंसा करैत छथि। न्यायमूर्ति गवई वरिष्ठता क्रम मे पहिल स्थान पर छलाह, जाहि कारण हुनक नामक अनुशंसा भेल। कानून मंत्रालय द्वारा सीजेआई खन्ना सं औपचारिक रूपें हुनक उत्तराधिकारीक नाम देबाक अनुरोध सेहो कएल गेल छल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here