14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

पटना एम्स मे शिवहर विधायक संग माइरपीट, बनाओल गेल बंधक

पटना, समदिया

पटना एम्स मे शिवहर सं विधायक चेतन आनंद सं जुड़ल एकटा विवाद सामने आएल अछि। जानकारी अनुसार, चेतन आनंद बुधक दिन राति क़रीब बारह बजे अपन समर्थक संग एक रोगी सं भेंट करबाक उद्देश्य सं एम्स अस्पताल पहुंचलाह। एहि दौरान सुरक्षा गार्ड आ जूनियर डाक्टर संग हुनकर कहासुनी भए गेल, जे बाद मे विवाद मे बदलि गेल।

सूत्रक अनुसार, विवाद एतेक बढ़ि गेल जे विधायक आ हुनकर समर्थक सभ संग माइरपीट आ धक्का-मुक्की धरिक स्थिति बनि गेल। दावा कैल जा रहल अछि जे विधायक कें लगभग आधा घंटा धरि एकटा कोठरी मे बंधक बनौने रहल गेल। ई मामला फुलवारी शरीफ थाना मे दर्ज कैल गेल अछि।

दोसर पक्ष सेहो देलक शिकायत

विधायक चेतन आनंदक कथन अनुसार, एम्सक सुरक्षा गार्ड हुनकर संग अमर्यादित व्यवहार केलक। एहि आधार पर हुनकर दिस सं फुलवारी शरीफ थाना मे विधिवत प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। ओतहि अस्पताल प्रशासन सेहो विधायक आ हुनकर समर्थक पर दुर्व्यवहारक आरोप लगबैत लिखित शिकायत दर्ज करौलक अछि।

विधायक कॉलर पकड़ि लेलनि : गार्ड सोनू

विवादक आरोपी सुरक्षा गार्ड सोनू अपन ऊपर लगाएल गेल आरोप कें निराधार बतबैत कहलनि जे हमर कोनो गलती नहि अछि। विधायक आ हुनकर संग आयल महिला हमर कॉलर पकड़ि कए गारी-गलौज कएलनि। हम खाली अपन कर्तव्य निभा रहल छलहुं।

दुनू दिस सं दर्ज कराओल गेल अछि प्राथमिकी

पटना सिटी एसपी भानु प्रताप सिंह बतौलनि जे दुनू पक्ष सं गारि-गरौवलि आ माइरपीटक लिखित शिकायत प्राप्त भेल अछि। डॉ. आयुषी सिंह आ एम्स प्रशासन दुनू अपन-अपन पक्ष सं मामला दर्ज करौने छथि। वर्तमान मे पुलिस पूरा घटनाक्रम कें गंभीरतापूर्वक जांचि रहल अछि। जे दोषी पाओल जाएत, ओकरा विरुद्ध उचित कार्रवाई सुनिश्चित कएल जाएत।

चेतन आनंद के छथि?

चेतन आनन्द, शिवहर विधान सभा क्षेत्रक आरजेडी सं निर्वाचित विधायक छथि। ओ पूर्व सांसद आ चर्चित बाहुबली नेता आनंद मोहनक पुत्र छथि। हुनकर माता लवली आनंद वर्तमान मे शिवहर सं जदयू सांसद छथि। चेतन आनंद 2020 मे आरजेडीक टिकट पर चुनाव जीतल छलाह। मुदा 2024 मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा महागठबंधन छोड़ि एनडीए मे वापसीक समय, चेतन आनन्द फरवरी 2024 मे विश्वास मतक दौरान सत्ता पक्षक समर्थन मे मतदान कएलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here