पटना, समदिया
पटना सं बिहारक राजनीतिक क्षेत्र सं बहुत पैघ खबरि आयल अछि। राजनीतिक सूचना अनुसार, राजद नेता आ पूर्व स्वास्थ्य मंत्री तेजप्रताप यादव कें राष्ट्रीय जनता दल सं छह वर्षक लेल निष्कासित कए देल गेल अछि। एहि संदर्भ मे स्वयं राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव एक ट्वीट कए सार्वजनिक रूप सं ई निर्णयक जानकारी देलनि अछि।
लालू यादव अपन ट्वीट मे कहलनि जे निजी जीवन मे नैतिक मूल्यक अवहेलना, सामाजिक न्यायक लेल चलि रहल सामूहिक संघर्ष कें दुर्बल करैत अछि। हमर ज्येष्ठ पुत्रक गतिविधि, लोक आचरण तथा गैर-जिम्मेदार व्यवहार, पारिवारिक संस्कार आ मूल्यक अनुरूप नहि अछि। एहि परिस्थिति मे, हम हुनका पार्टी आ परिवार दुनू सं अलग कए रहल छी। आब ओ पार्टी आ पारिवारिक निर्णय मे कोनो भूमिका नहि रखता।
हुनका पार्टी सं छह वर्षक लेल निष्कासित कएल जा रहल अछि। अपन निजी जीवनक नीक-बेजाय, गुण-दोष बुझबाक सामर्थ्य ओकरा मे अछि। जे कोनो लोक ओकरा सं संबंध रखता, से अपन विवेक सं निर्णय लेता। हम लोकजीवन मे लोकलाजक सदैव पक्षधर रहल छी। हमर आज्ञाकारी पारिवारिक सदस्य सभ एहि आदर्श कें सार्वजनिक जीवन मे अंगीकार कएने छी।
जनतब दी जे शनिदिन तेजप्रताप यादव आ एक युवती अनुष्का यादव संग सोशल मीडिया पर एक तस्वीर वायरल भेल, जाहि मे दावा कएल गेल जे तेजप्रताप संग हुनक 12 वर्ष सं संबंध रहल अछि। यद्यपि, बाद मे तेजप्रताप यादव ई स्पष्टीकरण देलनि जे हुनकर सोशल मीडिया अकाउंट हैक कए देल गेल छल। ई घटनाक्रम राजद आ यादव परिवारक भीतर उत्पन्न गंभीर तनाव कें स्पष्ट करैत अछि आ बिहारक सियासत मे नव मोड़ अनबाक संकेत दैत अछि।
तेजप्रताप यादव द्वारा पार्टी सं निष्कासनक निर्णयक बाद, एहि प्रकरण मे नव मोड़ आबि गेल अछि। पोस्ट वायरल भेलाक करीब पांच घंटा बाद, तेजप्रताप यादव अपन एक्स अकाउंट सं एक पोस्ट कए जनतब देलनि जे हमर अकाउंट हैक भए गेल अछि। ई पोस्ट फर्जी अछि आ फोटो कें एडिट कएल गेल अछि। तेजप्रतापक एहि स्पष्टीकरणक बादो, छहटा फोटो आ दूटा वीडियो सोशल मीडिया पर तीव्र गति सं वायरल भए रहल अछि।
एहि सामग्री मे दावा कएल जा रहल अछि जे ओहि युवती संग हुनक विवाह भेल अछि। ओ लोकनि करवा चौथक पूजा सेहो एक संग मनौने छथि। ई वायरल फोटो आ वीडियो, तेजप्रतापक अकाउंट हैकक दावा पर जनमानस मे संदेह उत्पन्न कए रहल अछि। ओना अधिकारिक रूप सँ कोनो पुष्टि नहि भेल अछि, मुदा ई घटनाक्रम राजद परिवार मे जारी आंतरिक संघर्ष कें आरो गहिंर बनबैत देखा रहल अछि।



