मधुबनी , समदिया
जिलाक कलुआही थाना क्षेत्र मे दिनदेखाड़े पिस्टलक नोक पर अपराधी सभ एक कार सवार सं 5 लाख नगद लूटि कए फरार भ’ गेल। घटना कलुआही-बासोपट्टी मुख्य मार्ग पर राढ़ पुल नजिक घटल, जाहि सं इलाका मे सनसनी पसरि गेल अछि।
सूचना अनुसार बासोपट्टी थाना क्षेत्रक जानकीनगर निवासी मोहम्मद अंजार अपन बहिनक विवाह लेल रहिका सं 5 लाख रुपैया ल’ क’ घर जाय रहल छलाह। ओ कहला जे ई रकम ओ कर्ज ल’ क’ आनने छलाह। बुध भोरे करीब 10:30 बजे राढ़ पुल पर एक अपाचे बाइक पर सवार तीन अपराधी सभ हुनकर कार रोकलक।
अपराधी सभ मोहम्मद अंजार कें कनपट्टी पर पिस्टल लगा कए डरौलक आ कारक सीट केर नीचां राखल रकम ल’ क’ फरार भ’ गेल। अंजार कहला जे ओ बासोपट्टी जा रहल छलाह आ घटनास्थल पर ग्रामीण सभ सेहो मौजूद छल, मुदा अपराधी सभक पिस्टल देखि कए कोनो लोक साहस नहि कएलक।
घटना केर सूचना कलुआही थाना मे देल गेल, जाहि बाद पुलिस तहकीकात शुरू क’ देलक अछि। मधुबनी सदर 2 डीएसपी मिथिलेश कुमार घटनास्थल पर पहुंचि कए जांच करैत कहलनि जे घटना संदेहास्पद प्रतीत होइत अछि।
डीएसपीक अनुसार पीड़ित युवक जे कहि रहल छथि, ओहि अनुसार जखन पुलिस रहिका निवासी ओहि व्यक्ति सं पूछताछ केलक जे अंजार दावा करै छथि जे हुनका सं कर्ज लेने छलाह, त’ ओ व्यक्ति कहलनि जे ओ रुपैया देनेये नहि छथि।
पुलिस वर्तमान समय मे मामला के हर पहलू सं जांच कए रहल अछि।



