9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

पीएमसीएच मे घंटो बाद भेटल दुष्कर्म पीड़िता दलित बेटी कें बेड

पटना, समदिया

कांग्रेस पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष राजेश राम कहलनि जे जखन हुनका ई जानकारी भेटल जे मुजफ्फरपुर जिलाक कुढ़नी प्रखंड मे दुष्कर्मक शिकार नववर्षीय दलित बच्ची पांच घंटा सं एम्बुलेंस मे बेडक प्रतीक्षा करैत छथि आ ओकर स्वास्थ्य लगातार बिगड़ैत जा रहल अछि, तं ओ स्वयं पीएमसीएच पहुंचलाह। ओ कहलनि जे पीएमसीएच सन सर्वोच्च चिकित्सा संस्थान मे सेहो एक पीड़िता बच्चीक लेल बेड भेटब कठिन अछि, आ स्वयं हुनका बेड सुनिश्चित करबा मे घंटो प्रयास करय पड़ल, सक्षम पदाधिकारी सभ सं विनती करय पड़ल।

ओ मांग केलनि जे पीड़ित बच्चीक स्वास्थ्य अवस्थाक संबंध मे समय-समय पर मेडिकल बुलेटिन जारी कएल जाय, जाहि सं मीडियाक मार्फत जनमानस कें सही जानकारी भेटैत रहय। संगहि, ओहि आरोपी सभक विरुद्ध त्वरित आ कठोर कार्रवाई करबाक मांग केलनि। राजेश राम कहलनि जे जदयू-भाजपा सरकार राज्यक प्रत्येक कोना कें अपराधीक हवाले क’ देलक अछि। दलित आ पीड़ित वर्गक कोनो सुनवाइ नहि होइत अछि।

एहि हृदय विदारक घटना कें ल’ बिहार प्रदेश कांग्रेस मुख्यालय सदाकत आश्रम मे संयुक्त संवाददाता सम्मेलन आयोजित कएल गेल, जाहि मे प्रदेश अध्यक्ष राजेश राम, बिहार महिला कांग्रेसक अध्यक्ष डॉ. शरवत जहां फातिमा आ विधायक प्रतिमा कुमारी दास संयुक्त रूपें पत्रकार सब सं संवाद केलनि।

ओ लोकनि कहलनि जे मुजफ्फरपुर जिलाक कुढ़नी प्रखंड मे नाबालिग दलित बालिका संग जे कुकृत्य भेल अछि, से हैवानियतक पराकाष्ठा थिक। पीड़िता बालिकाक गरदनि चाकू सं रेतल गेल, ओकरा ईंट भट्ठाक खद्धा मे फेकि देल गेल। शरीर पर चक्कूक लगभग 20 गहिंर घावक निशान भेटल अछि। एहि कुकृत्य मे ओकर हत्या करबाक प्रयास स्पष्ट देखाइत अछि। ओ मांग केलनि जे एहि मामिलामे स्पीडी ट्रायल चलाक’ अपराधी कें कठोर सजा देल जाय।

महिला कांग्रेस अध्यक्ष डॉ. शरवत जहां फातिमा स्वयं अस्पताल पहुंचि पीड़िताक स्थिति देखलनि। ओ कहलनि जे बच्चीक स्थिति अत्यन्त गंभीर अछि। समुचित इलाज नहि भेटबाक कारण ओकर जीवन संकट मे पड़ि गेल अछि। ओ जनतब देलनि जे घटना 26 तारीखक अछि, मुदा सरकार आ प्रशासनक बेरुखीक कारण बच्ची समय पर समुचित उपचार सं वंचित रहल।

डॉ. फातिमा सरकार सं मांग केलनि जे बच्चीक नीक इलाज लेल एयर लिफ्ट कए दिल्ली एम्स ल’ जायल जाय, मुदा प्रशासनिक अधिकारी पहिने पटना एम्स ल’ जायबक बात कहलनि। बाद मे जाहि समय एतय विशेषज्ञ चिकित्सक अनुपलब्ध रहलाह, तखन ओकरा पीएमसीएच रेफर कएल गेल। ओ आरोप लगेलनि जे सरकार एहि पूरा मामिला कें रफा-दफा करबाक प्रयास मे लागल अछि। कांग्रेस पार्टीक कथन अछि जे ई मामला मात्र बलात्कारक अपराध नहि, बल्कि नीतीश सरकारक लचर कानून व्यवस्था आ स्वास्थ्य सेवाक लापरवाही सेहो सरकार कें आपराधिक दोषी बनबैत अछि।

एहि संवाददाता सम्मेलन मे प्रदेश अध्यक्ष राजेश रामक अतिरिक्त विधायक प्रतिमा कुमारी दास, महिला कांग्रेस अध्यक्ष डॉ. शरवत जहां फातिमा, मीडिया चेयरमैन राजेश राठौर, महिला कांग्रेस प्रभारी विनीता, प्रवीण सिंह कुशवाहा आ सौरभ सिन्हा समेत कांग्रेसक अनेक वरिष्ठ नेता उपस्थित छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here