9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

पुलिस एक अपराधी कें हथियार संग गिरफ्तार केलक

शिवहर, समदिया 

श्यामपुर भट्ठहा थाना क्षेत्रक भट्ठा गाम मे एक युवक कें मोटरसाइकिल सवार दू अपराधीक द्वारा पैर मे गोली मारि घायल कएल गेल घटनाक संबंध मे पुलिस एक अपराधी केँ घटना मे प्रयोग कएल गेल हथियार संग गिरफ्तार कए न्यायिक हिरासत मे पठा देलक अछि।

पुलिस अधीक्षक शैलेश कुमार सिन्हाक निर्देश पर एसडीपीओ सुशील कुमार अपन कार्यालय प्रकोष्ठ मे आयोजित प्रेस वार्ता मे कहलनि जे सूचना भेटते श्यामपुर भट्ठा थानाध्यक्ष सुनील कुमार घटनास्थल पर पहुंचि जांच प्रारंभ केलनि, जाहि उपरांत एकटा मामला दर्ज क’ अनुसंधान शुरू कएल गेल।

एसडीपीओ सूशील कुमार कहलनि जे अनुसंधानक क्रम मे ज्ञात भेल जे नीरज सिंह, पिता अनिल सिंह, निवासी भट्ठा, थाना श्यामपुर भट्ठा, जिला शिवहर आ तीन आन लोक मिलिक’ कोनो पैघ अपराधिक घटना केँ अंजाम देबाक योजना बना रहल छलाह। एहि दौरान नीरज सिंह कें गिरफ्तार कएल गेल, आ ओकर निशानदेही पर एकटा पिस्तौल, एकटा देसी कट्टा आ चारि जिंदा कारतूस बरामद कएल गेल।

एहि संबंध मे श्यामपुर भट्ठा थाना मे एकटा नव कांड सेहो दर्ज कएल गेल अछि। छापेमारी दल मे थानाध्यक्ष सुनील कुमार संग अनेक पुलिस पदाधिकारी सक्रिय रूप सं शामिल छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here