शिवहर, समदिया
शिवहर जिलाक मथुरापुर गिरी टोला स्थित एकटा प्राथमिक विद्यालय ‘छतरी विद्यालय’ केर नामें विख्यात भए गेल अछि। कारण ई विद्यालय विगत 18 वर्ष सं बिना भवनक, बिना शौचालय आ बिना पेयजलक व्यवस्था कें अपन अस्तित्वक संघर्ष कए रहल अछि। बरखा मे शिक्षक छाता लए जमीन पर बैसि पढ़ाबैत छथि, आ सुखाड़क दिन गाछक छाहरि मे पढ़ाई चलैत अछि।
विद्यालय मे 60 विद्यार्थी नामांकित छथि, जकरा पढ़ेबा लेल चारि गोट शिक्षक नियुक्त छथि। 15 मई 2025 सं नियुक्त भेल शिक्षक रोहित कुमार कहैत छथि जे विद्यालयक भवन तं मानू अदृश्य अछि, पानि पीबाक कोनो साधन नहि अछि। वर्षा मे छात्र-छात्रा घर चलि जाइत छथि आ शौचालय नहि हेबाक कारण खुला मे जाय पड़ैत अछि।
प्रभारी प्रधानाध्यापिका रोशन आरा कहैत छथि जे ई विद्यालय 18 वर्ष सं संचालित अछि, मुदा अनेक बेर पत्राचार कएलाक बादो मूलभूत ढांचा नहि बनि सकल। छात्रा पार्वती कहैत छथि जे जंगलक बीच जमीन पर बैसि पढ़बा मे साप, कीड़ा-बिच्छूक भय रहैत अछि। छात्रा अनुष्का सेहो सुविधा हीनताक कारण कठिनाई स्वीकार करैत छथि।
जिलाशिक्षा पदाधिकारी चंदन कुमार विद्यालयक बदहाल स्थिति स्वीकार करैत कहलनि जे तत्परतापूर्वक विद्यालयक अस्थायी रूपें स्थानांतरण करबाक संग स्थायी समाधान पर विचार भए रहल अछि। ई स्थिति सरकारक घोषणासभक यथार्थता पर गंभीर प्रश्न उठबैत अछि।



