18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

बिनु एसटीईटी अधूरा अछि बीपीएससी टीआरई-4, सोशल मीडिया पर उठि रहल अछि मांग

पटना। बिहार मे शिक्षक बहाली केर प्रक्रिया तेज होयबाक संकेत भेट रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा बीपीएससी टीआरई-4 परीक्षा जल्दिए करेबाक घोषणा आ महिला अभ्यर्थी सभकें 35 प्रतिशत आरक्षण देबाक स्पष्ट आश्वासनक बाद राज्य भरिक शिक्षक अभ्यर्थी सभ मे नव उत्साह देखल जा रहल अछि। अनुमान अछि जे बिहार लोक सेवा आयोग अंतिम जुलाई वा अगस्त मे टीआरई-4 केर विज्ञापन जारी करत, आ परीक्षा अंतिम अगस्त धरि आयोजित होयत।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 16 जुलाई कें अपन एक्स (पूर्व ट्विटर) अकाउंट पर जानकारी दैत कहलनि जे शिक्षा विभाग कें स्पष्ट रूपेँ निर्देश देल गेल अछि जे रिक्त पद सभक त्वरित गणना करय आ बीपीएससी टीआरई-4 परीक्षा शीघ्र आयोजित करबाक प्रक्रिया शुरू करय। ओ कहलनि जे राज्य सरकार द्वारा देल जा रहल 35 प्रतिशत आरक्षण सिर्फ बिहारक महिलासभकें लाभ देबाक निर्णय पूर्व सं स्पष्ट अछि।

एहि घोषणा सं ओहि अभ्यर्थी सभकें जरूर राहत भेटल अछि जे बीपीएससी टीआरई-4 मे भाग लेबय चाहैत छथि, मुदा दोसर दिस लाखो अभ्यर्थी जे विगत दू वर्ष सं एसटीईटी परीक्षा केर तैयारी कए रहल छथि, ओ निराश देखल जा रहल छथि। सोशल मीडिया पर मुख्यमंत्री केर ट्वीटक बाद ओ लोकनि लगातार जोरशोर सं एसटीईटी परीक्षा आयोजित करबाक मांग उठौने छथि।

एहि बीच शिक्षा मंत्री सुनील कुमार सेहो संकेत देने छथि जे बीपीएससी टीआरई-4 केर परीक्षा प्रायः अगस्त मे आयोजित होयत। एहि मे सामान्य शिक्षक संग-संग 7200 स्पेशल शिक्षक आ 6421 अनुकंपा आधारित पद पर बहाली केर योजना अछि। संगहि नियोजित शिक्षक लेल सक्षमता परीक्षा सेहो पूरा कएल जायत।

मुदा अभ्यर्थी सभक स्पष्ट मांग अछि जे एसटीईटी परीक्षा केर तिथि शीघ्र घोषित कएल जाय। ओ लोकनि लगातार सोशल मीडिया पर ट्रेंड चला कए सेहो ई मांग राखि रहल अछि। हुनकर कथन अनुसार जं एसटीईटी परीक्षा नहि भेल, तं हजारो योग्य अभ्यर्थी अवसर सं वंचित भए जेताह। सरकार कें चाही जे ई विषय पर शीघ्र निर्णय लैत अभ्यर्थी सभक भविष्यक रक्षा करय।

शिक्षक नियुक्ति प्रक्रिया मे पारदर्शिता आ समान अवसर सुनिश्चित करबाक जरूरत छैक। जेना-जेना टीआरई-4 केर प्रक्रिया आगू बढ़ि रहल अछि, ओहिना एसटीईटी परीक्षा केर मांग सेहो प्रबल भए रहल अछि। सरकार पर दायित्व अछि जे एहि मांग के नहि अनठाबथि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here