9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

बिहार मे आब बनय जमाय आयोग : तेजस्वी

पटना, समदिया

बिहार मे आगामी चुनाव सं पूर्व विभिन्न राजनीतिक दल सभ अपन तैयारी जोर-शोर सं कए चुकल अछि। एहि क्रम मे राष्ट्रीय जनता दल (राजद) द्वारा जनसंपर्कक नव अभियान तेजस्वी डिजिटल फोर्स केर शुभारंभ कएल गेल अछि। तेजस्वी यादव सोमदिन तेजस्वी डिजिटल फोर्स नाम सं राजदक डिजिटल पोर्टल लांच केलनि, जाहि माध्यम सं लोक सीधे राजद सं जुड़ि सकैत छथि आ अपन बात पार्टी धरि पहुंचा सकैत छथि।

एहि अवसर पर तेजस्वी यादव कहलनि जे लोक वर्तमान सरकार सं ऊबि चुकल छथि आ आब परिवर्तन चाहैत छथि। मुख्यमंत्री अचेत अवस्था मे छथि। हम मुद्दा आधारित राजनीति करय चाहैत छी – जनताक असली मुद्दा पर संघर्ष करैत छी। विगत बीस वर्ष मे बिहार मे एकहु नीक उद्योग नहि लागल। केंद्र मे 11 वर्ष सं भाजपाक सरकार अछि, मुदा प्रधानमंत्री एकटा चीनी मिल धरि बिहार मे शुरू नहि कए सकलाह। हमरासभ लग स्पष्ट दृष्टिकोण आ कार्ययोजना (ब्लूप्रिंट) अछि, आ लोक हमरा सं जुड़य चाहैत छथि।

तेजस्वी फेर सं उठेलनि डीके बॉस प्रसंग?

तेजस्वी यादव कहलनि जे डीके बॉस कें लए कए जे बात हम काल्हि कहलहुं, ओहि पर मुख्यमंत्री कोनो उत्तर नहि देलनि। ओ हमर कोनो आरोपक प्रतिवाद कखनो नहि करैत छथि। भ्रष्ट पदाधिकारी कें सिस्टम मे प्रवेश देल जा रहल अछि आ सरकारी राजस्वक लूट जारी अछि। तेजस्वी कहलनि जे पीएमसीएच अधीक्षक डॉ. आई.एस. ठाकुर पर जखन हम आरोप लगेलहुं, तखनहुं हुनका विरुद्ध कोनो कार्रवाई नहि भेल। केकरो मे साहस नहि अछि जे ओ कार्रवाई करय। आईएस ठाकुर कें अखन धरि कियैक नहि हटाओल गेल? स्वास्थ्य मंत्री कार्रवाई करथि वा छापामारी करथि वा नहि, मुदा तेजस्वी यादव जरूर करताह। बिहार सरकार आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक डबल इंजन सरकारक स्थिति एहन भए गेल अछि जे नीक अधिकारी कें हटा देल जाइत अछि आ अनुचित व्यक्ति कें बनाओल जाइत अछि।

राजद नेता तेजस्वी यादव सरकार पर तीव्र हमला करैत पुछलनि जे कतेको अफसर सभक पत्नी कें सरकारी पद पर सेट कएल गेल अछि, तकर सही आँकड़ा की छैक? ओ कहलनि जे बिहार मे शिक्षा व्यवस्था कें तहसनहस कएनिहार अफसरक बच्चा सभ स्वयं कतय पढ़ि रहल छथि? सरकारी विद्यालयक हाल बेहाल अछि, मुदा अफसरक बेटा-बेटी नामी प्राइवेट स्कूल आ विदेश धरि पढ़ि रहल छथि। तेजस्वी यादव पुछलनि जे बिहारक सरकारी विभाग सभ सं कतेको अफसरक बेटा-बेटी, जमाय आ परिजन अपन-अपन कंसल्टेंसी फर्मक माध्यम सं लाभ कमा रहल छथि, तकर विवरण कियैक नहि देल जा रहल अछि?

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर तंज कसैत तेजस्वी कहलनि  जे नीतीश कुमार बिहार मे एकटा नव किसिमक जमाय आयोग बना देने छथि, जतय दामाद, जीजा आ अन्य पारिवारिक संबंधी सभ कें नीक-नीक पद देल जा रहल अछि। तेजस्वी यादव विशेष रूप सं अनुसूचित जाति आयोगक संदर्भ मे कहलनि जे एहि आयोग मे जे पदाधिकारी नियुक्त भेल छथि, ओ राजनीतिक संबंध सं प्रेरित छथि। ओ कहलनि जे पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझीक दामाद देवेंद्र मांझी आ चिराग पासवानक बहिनोइ मृणाल पासवान कें महत्वपूर्ण पद देल गेल अछि। एहि आधार पर ओ समूचा नियुक्ति प्रक्रिया पर सवाल उठेलनि आ कहलनि जे ई व्यवस्था लोक कल्याण नहि, बल्कि परिवार आधारित सत्ताक संरक्षण बनि गेल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here