पटना। निर्वाचन आयोग बिहार मे स्पेशल इंटेंसिव रिवीजन अर्थात विशेष सघन पुनरीक्षणक पहिल चरणक अंतिम आंकड़ा जारी कए देलक अछि। आयोगक अनुसार, एहि पुनरीक्षण उपरांत राज्य मे कुल 7.24 करोड़ मतदाता शेष रहल छथि। ओतहि 65 लाख मतदाताक नाम सूची सं हटाओल गेल अछि। जे मतदाता सूची सं विलोपित कएल गेल छथि, ओहि मे मृत व्यक्ति, विस्थापित, विदेश गमनकर्ता आ दोसर स्थान पर स्थायी रूप सँ प्रवास कए चुकल नागरिक शामिल छथि।
निर्वाचन आयोगक वक्तव्य अनुसार, 24 जून 2025 धरि बिहार राज्य मे कुल मतदाताक संख्या 7.89 करोड़ छल। पुनरीक्षण कार्यक क्रम मे 7.24 करोड़ सँ बेसी मतदाताक गणना प्रपत्र जमा भेल। परिणामस्वरूप, पहिल चरणक एसआईआर उपरांत शुद्ध मतदाता संख्या 7.24 करोड़ दर्ज कएल गेल। निर्वाचन आयोग एसआईआर केर सफल समापन लेल राज्यक मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी, समस्त 38 जिलाक जिला निर्वाचन पदाधिकारी, 243 निर्वाचक नामावल पुनरीक्षण पदाधिकारी (ईआरओ), 2,976 सहायक ईआरओ, 77,895 मतदान केंद्र पर तैनात बीएलओ, लाखो स्वयंसेवक संग 12 प्रमुख राजनीतिक दलक क्षेत्रीय प्रतिनिधि जे मे 1.60 लाख बीएलए (मतदाता सूची प्रतिनिधि) सम्मिलित छथि, सभक योगदानक सराहना कएलक।



