17.9 C
London
Thursday, April 23, 2026

बेगूसराय मे अफेयर मे युवकक हत्या

बेगूसराय, समदिया

बेगूसरायक तेघड़ा थाना क्षेत्र मे प्रेम प्रसंगक कारण एक युवकक हत्या भ’ गेल। बेरहमी सं पिटाइ क’ युवक के जहर पिया देल गेल। फेर बेहोशी के हालत मे ओकरा सड़क पर फेंक देल गेल, जाहि सं ओकर मृत्यु भ’ गेल। आरोप प्रेमिकाक घरवाला पर लागल अछि। मृतक रौशन कुमार कोलवारा नवटोलिया, वार्ड नंबर-12 के निवासी छल। रौशन (21) राज मिस्त्री के काज करैत छल। लगभग दू बरख पहिने गाम के रंजीत महतो कें घर मे काज करैत काल रंजीत महतो के शादीशुदा बेटी सोनी कुमारी (26) स’ प्रेम भ’ गेल। दुनू चुपचाप भेंट करैत छलथि। फोन पर सेहो बातचीत होइत छल। लड़कीक परिवार कें जानकारी भेलाक बाद बुझयबाक प्रयास केलनि, मुदा दुनू नहि मानलथि। सोनी अक्सर मायके मे रहैत छली, ताहि सं भेंट-घांट होइत रहल।

बेहोशी मे सड़क पर फेंक देल गेल :

मृतकक भाइ धीरज कुमार बतौलनि जे रौशन रवि दिन दवाई लेबाक लेल तेघड़ा बाजार गेल छल। घर सं मात्र 200 मीटर दूरी पर सोनीक घरवला सभ ओकरा पकड़ि लेलक। एकटा कमरा मे बंद क’ देलक। ओकरा बेरहमी सं पिटलक। अधमरा भेलाक बाद जहर पिया देलक। बेहोश भेला पर सड़क पर फेंक देलक। जानकारी भेटते हम सभ स्थल पर पहुंचलहुं। तुरत अस्पताल ल’ जायल गेल, मुदा राति मे ओकर मृत्यु भ’ गेल। घटनाक बाद प्रेमिकाक घरवला सभ फरार भ’ गेल।

करीब आठ मास पहिने सेहो लड़कीक भाइ गुड्डू आ चाचा बबलू आ राजीव मिलि क’ रौशन कें पिटाइ केने छल। धमकी देने छल कि मिलनाइ छोड़ि दिअ, नहि त’ जान सं मारि देब। मुदा, रौशन आ सोनी भेटैत रहलथि, जाहि सं घरवला सभ नाराज छल।

जांच मे जुटल अछि पुलिस :

मामिला के सूचना भेटते तेघड़ा थाना पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल। शव के पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल भेजल गेल अछि। परिजन सभ गुड्डू, बबलू आ राजीव पर हत्याक आरोप लगौने छथि। पुलिस पूरा मामिला के छानबीन क’ रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here