पटना, समदिया
भारतक पूर्व प्रधानमंत्री भारत रत्न स्व. राजीव गांधीक 34म पुण्यतिथि आ बिहार प्रदेश कांग्रेसक पूर्व अध्यक्ष स्व. सदानंद सिंहक 82म जयन्तीक अवसर पर सदाकत आश्रम, पटना स्थित प्रदेश कांग्रेस मुख्यालय मे श्रद्धांजलि सभा आ विचार गोष्ठीक आयोजन कैल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष राजेश राम कएलनि।
एहि अवसर पर राजेश राम कहलनि जे राजीव गांधी देशक एकता, अखंडता आ धर्मनिरपेक्ष चरित्रक रक्षाक लेल जीवन उत्सर्ग कए देलनि। ओ देश मे सूचना आ संचार क्रांतिक प्रारंभ करैत नव युगक आधार रखलनि। पंचायती राजक अवधारणा दैत सत्ता के विकेंद्रीकरणक दिशा मे महत्वपूर्ण पहल करैत महिलासभक लेल एक-तिहाइ आरक्षणक नींव रखलनि। ई प्रयास बाद मे संविधान संशोधनक माध्यम सं सम्पूर्ण देश मे लागू भेल।
राजेश राम इहो कहलनि जे लोकतंत्र मे युवासभक सहभागिता सुनिश्चित करबाक लेल मतदानक उम्र सीमा घटाकय 21 सं 18 वर्ष केलनि, जाहि सँ देशक युवा वर्ग केँ राजनीतिक प्रक्रिया मे अपन भूमिका निभेबाक अवसर भेटल।
ओ कहलनि जे कृतज्ञ राष्ट्र सदिखन राजीव गांधीक योगदान कें स्मरण करैत हुनकर बलिदान आ दृष्टिकोण कें नमन करैत रहत। कार्यक्रमक क्रम मे सदाकत आश्रम स्थित राजीव गांधीक प्रतिमा पर माल्यार्पण कए हुनका श्रद्धांजलि अर्पित कैल गेल।
सदानंद बाबू कें स्मरण करैत राजेश राम कहलनि जे ओ कांग्रेस पार्टीक प्रखर नेता छलाह। अध्यक्ष आ मंत्रीक रूप मे ओ जे काज केलनि, ताहि कें इतिहास मे सदिखन आदरपूर्वक स्मरण कैल जायत। हुनक संगठन क्षमता आ जनसेवा कें बिसरल नहि जा सकैत अछि।
एहि आयोजन मे अखिल भारतीय महिला कांग्रेस अध्यक्ष अलका लाम्बा, पूर्व प्रदेश अध्यक्ष चंदन वागची, प्रो. राम जतन सिन्हा, विधान पार्षद डॉ. समीर कुमार सिंह, विधायक डॉ. अजय सिंह, डॉ. अशोक कुमार, प्रेमचंद्र मिश्रा, नरेंद्र कुमार, वीणा शाही, ब्रजेश प्रसाद मुनन, राज कुमार राजन, अजय चौधरी, जमाल अहमद भल्लू, गरीब दास, गुंजन पटेल, उमैर खान, सरवत जहां फातिमा, अनुराग चंदन, ज्ञान रंजन, डॉ. संजय यादव, राजेश कुमार सिन्हा, पुनम देवी, चंद्र प्रकाश सिंह, नागेंद्र कुमार विकल, ललन यादव, शशि कुमार सिंह, रीता सिंह, सुधा मिश्रा, मनोज शर्मा, मो. शाहनवाज, अरविंद लाल रजक, अशोक गनन, कैलाश पाल, संतोष श्रीवास्तव, वसी अख्तर, कमलदेव नारायण शुक्ला, राजकुमार शर्मा, कुंदन गुप्ता, बैद्यनाथ शर्मा, यशवंत कुमार चमन, अखिलेश्वर सिंह, अरविंद चौधरी, रौशन कुमार सिंह, संजय पांडेय, शशिकांत तिवारी, मधुरेंद्र कुमार सिंह, उदय शंकर पटेल, राजकिशोर सिंह, सुनील कुमार सिंह, अनिता राम, निरंजन कुमार, विश्वनाथ बैठा, दीपक पटेल, किशोर कुमार, अश्विनी कुमार, राहुल पासवान, उमर सैफुल्ला खान, संजीव कर्मवर, कामरान हुसैन, मोनी पासवान, नदीम अंसारी, हीरा सिंह बग्गा, मुद्रिका सिंह यादव, सुजीत कुमार कसेरा, अरुण पाठक, शम्मी कपूर, डॉ. कुमारी सोनी, दौलत इमाम, पंकज कुमार यादव, मो. अब्दुल बकी, श्रीधर तिवारी, जितेंद्र पासवान, कुमारी माला, सत्येन्द्र ओझा, त्रिवेणी सिंह, एस.एम. शरफ, राम शंकर कुमार, रिया कुमारी समेत पैघ संख्या मे कांग्रेसजन उपस्थित छलाह।



