सीतामढ़ी, समदिया
भुतही थाना पुलिस द्वारा नशा तस्करीक विरुद्ध चलाओल गेल विशेष अभियानक तहत एकटा अल्टो कार सं भारी मात्रा मे गांजा बरामद करैत एक गोट तस्कर कें पकड़ल गेल। गिरफ्तार तस्करक पहिचान बैरगनिया थाना क्षेत्रक बैरगनिया वार्ड संख्या 9 निवासी हेम शंकर रायक पुत्र सन्जन कुमार केर रूप मे कैल गेल अछि। थाना अध्यक्ष चन्द्रगुप्त कुमार जनौलनि जे गुप्त सूचना प्राप्त भेल छल जे नेपाल सं भारी मात्रा मे गांजा भारतक सीमा क्षेत्र मे प्रवेश केने जा रहल अछि आ ओ खेप सीतामढ़ी दिस जायबाला अछि।
सूचनाक आधार पर सब-इंस्पेक्टर प्रमोद कुमार सशस्त्र बल संग एनएच 22 पर दोस्तीया मोड़क निकट वाहन जाँच अभियान चला रहल छलाह। ओहि दौरान अस्मानी रंगक अल्टो कार (नंबर बीआर 06 एबी 4629) कें रोकल गेल। गाड़ीक सीट आ डिक्की कें जाँच करला पर 9 टा लाल रंगक प्लास्टिक पैकेट मे कुल 95 किलोग्राम गांजा बरामद भेल।
पुलिस द्वारा गांजा संग उक्त अल्टो कार कें जब्त कए तस्कर कें मादक द्रव्य आ मनोतेजक पदार्थ अधिनियमक तहत मामिला दर्ज कए न्यायिक हिरासत मे पठाओल गेल अछि। पुलिस समूचा प्रकरणक गम्भीरता पूर्वक अनुसंधान कए रहल अछि।



