4.9 C
London
Monday, April 20, 2026

मधुबनी जिला लेल दू टा केंद्रीय विद्यालयक प्रस्ताव

मधुबनी, समदिया

जिला मे केंद्रीय विद्यालयक स्थापना कें ल’ जिला प्रशासन गंभीर प्रयास क’ रहल अछि। पूर्व मे मधुबनी सदर अनुमंडल लेल केंद्रीय विद्यालय खोलबाक प्रस्ताव प्रेषित कएल जा चुकल अछि। आब जिला केर विस्तृत भूगोल, बढ़ल जनसंख्या घनत्व आ शैक्षणिक आवश्यकता कें देखैत झंझारपुर अनुमंडल लेल सेहो अलग सं एक नवीन प्रस्ताव तैयार क’ बिहार सरकारक शिक्षा विभाग कें पठाओल गेल अछि।

जिलाधिकारी आनंद शर्मा स्पष्ट रूप सं कहलनि जे ई दुनू प्रस्ताव एक-दोसराक विकल्प नहि बल्कि जिला केर अलग-अलग क्षेत्रक आवश्यकता कें ध्यान मे राखि बनाओल गेल अछि। मधुबनी जिला अपन विशालता आ शैक्षणिक संरचनाक दृष्टि सं दू गोट केंद्रीय विद्यालयक हकदार अछि, ताहि लेल झंझारपुर क्षेत्र लेल सेहो विशेष पहल कएल गेल अछि।

मधुबनी अनुमंडल लेल पूर्व प्रस्ताव यथावत अछि। जं राज्य आ केंद्र सरकार द्वारा केवल एक विद्यालयक मंजूरी देल जाइत अछि, त’ प्राथमिकता मधुबनी अनुमंडल लेल पहिने सं प्रेषित प्रस्ताव कें देल जायत। झंझारपुर लेल भेजल गेल नवीन प्रस्ताव, जिला मे शैक्षणिक ढाँचाक विस्तार लेल एक अतिरिक्त प्रयास अछि।

जिला प्रशासन जनसाधारण कें इहो स्पष्ट कएलक जे दुनू प्रस्ताव कें ल’ कोनो भ्रम नहि रहय। ई एक सतत प्रक्रिया थिक, जाहि मे संबंधित विभाग द्वारा विस्तृत सर्वेक्षण, जनसंख्या अध्ययन आ क्षेत्रीय शैक्षणिक आवश्यकता पर विचार क’ निर्णय लेल जायत।

उक्त आलोक मे बिहार सरकारक शिक्षा विभाग द्वारा केंद्र सरकारक संबंधित मंत्रालय कें मधुबनी जिला लेल दू टा केंद्रीय विद्यालयक प्रस्ताव अग्रेषित कएल गेल अछि—एकटा मधुबनी अनुमंडल लेल, दोसरटा झंझारपुर अनुमंडल लेल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here