मधुबनी, समदिया
एक भव्य लोकार्पण समारोहक माध्यम सं मधुबनी कें पहिल मल्टीप्लेक्स प्राप्त भेल। बिहार सरकारक पूर्व मंत्री एवं स्थानीय विधायक समीर कुमार महासेठ द्वारा फीता काटिकए कौनप्लेक्स सिनेमाजक उद्घाटन कएल गेल। विदित हो कि 2017 मे मधुबनी जिलाक अंतिम बांचल शंकर सिनेमा हॉल बंद भेलाक बाद दर्शक लोकनि कें सिनेमा देखबाक लेल अन्य जिलाक रूख करए पड़ैत छल। मुदा आब मधुबनी जिलाक दर्शक कौनप्लेक्स सिनेमाज मे विश्वस्तरीय सुविधा संग एक नवीन, उच्चस्तरीय सिने अनुभव प्राप्त करताह।
एहि मल्टीप्लेक्स मे 6 जून सं ‘हाउसफुल 5’ फिल्मक संगहि दू स्क्रीन पर आठ शो देल जायत, जकर बुकिंग 3 जून सं आरंभ होयत। टिकट बुकिंग बुक माई शो, कौनप्लेक्स सिनेमाजक वेबसाइट संग प्रमुख ऑनलाइन प्लेटफॉर्म एवं ऑफलाइन माध्यम सं कएल जा सकैत अछि।
मीडिया सं गप्प करैत विधायक समीर महासेठ कहलनि जे लोक जहन थाकि जाइत छथि तं ओ विश्राम आ सुकूनक तलाश करैत छथि। ई मल्टीप्लेक्स ओहि सुकूनक अहसास देत। हमर कार्यकाल मे मधुबनी मे लगातार नव-नव चीज सभ शुरू भए रहल अछि। एहि श्रृंखला मे ई मल्टीप्लेक्स कोनो साधारण चीज नहि, बल्कि एहिठामक लोक लेल एक नव अनुभूति अछि।
मधुबनी नगरपालिकाक मेयर अरुण राय सेहो उद्घाटन अवसर पर कहला जे मधुबनी सतत प्रगतिक पथ पर अग्रसर अछि, आ कौनप्लेक्स सिनेमाजक उद्घाटन ओहि क्रमक एक महत्वपूर्ण पड़ाव छी।
कौनप्लेक्स सिनेमाज केर स्थानीय फ्रेंचाइजी अक्षित महासेठ एवं संजीव महासेठ कहलनि जे हम युवा छी आ एहिठामक नवजवान लोकनि कें ध्यान मे राखिकए ई मल्टीप्लेक्स आनल गेल अछि। हम आग्रह करैत छी जे एहि परिसर कें अपन बुझि लोक अपन स्नेह देथि आ साफ-सुथरा रखबाक उत्तरदायित्व सेहो लेथि। हम आशा करैत छी जे मधुबनी वासीक भरपूर प्रेम आ सहयोग हमरा एक नवीन ऊर्जा देत।
एहि अवसर पर गुजरात स्थित कौनप्लेक्स सिनेमाज केर बिहार आ झारखंड क्षेत्रक मास्टर फ्रेंचाइजी मृणाल सिंह एवं विशाल सिंह कहलनि जे हम सम्पूर्ण भारतवर्ष मे कौनप्लेक्स सिनेमाज केर माध्यम सं दर्शक लोकनि कें उच्च कोटिक सिनेमा अनुभव प्रदान कए रहल छी। एहि मल्टीप्लेक्स मे डॉल्बी सराउंड साउंड, लग्जरी सीटिंग, वातानुकूलन, बेहतरीन सिनेमैटिक अनुभव संग दर्शक ‘फर्स्ट डे फर्स्ट शो’ केर आनंद ल’ सकैत छथि। परिवार संग गुणवत्तापूर्ण समय बितेबाक संगहि हम जन्मदिन, विवाह वर्षगांठ, कॉरपोरेट कार्यक्रम सभक आयोजन हेतु सुविधा सेहो उपलब्ध करबैत छी। भोजन-पान केर उत्तम प्रबंध सेहो एहि परिसर मे अछि।
उद्घाटन समारोह मे फ्रेंचाइजी प्रतिनिधि अक्षित महासेठ एवं संजीव महासेठ संग मधुबनीक मेयर अरुण राय, उपमेयर अमानुल्लाह खान, नगर परिषदक पूर्व अध्यक्ष सुनील नायक, अमित कुमार महासेठ, मां अन्नपूर्णा परिवार सं सुमीत राउत, पवन राउत, शबल राउत, अरुण जैन, सुनील राउत, सन्नी कुमार, दीपक कुमार, मनीष महासेठ, अजय महासेठ, विजय महासेठ, संजय महासेठ, मिहिर महासेठ, अर्जुन पंजियार, राज कुमार राजन, मेघना महासेठ, दीक्षा महासेठ, अनुराधा महासेठ, कल्याणी चंद्रा, डॉ. सुभाष चंद्रा, डॉ. सूरज नायक, प्रो. कविता नायक, मीनू महासेठ, सुरेश कुमार बैरेलिया, प्रीति बैरोलिया सहित संपूर्ण महासेठ परिवार एवं अन्य गणमान्य लोक उपस्थित छलाह।



