झंझारपुर, समदिया
मधुश्रावणी व्रतक अवसर पर नवविवाहित कन्या कें लेल मिथिला हाट, अररिया संग्राम मे डाली सज्जा प्रतियोगिताक आयोजन एहि साल दोसर बेर भव्य रूप मे होयत। 16 जुलाई सं 26 जुलाई धरि चलैवला एहि प्रतियोगिता मे सभ दिन सर्वश्रेष्ठ डाली सजाबयवाली बहिन कें पुरस्कार देल जायत।
प्रेस वार्ता क’ मिथिला हाट प्रबंधनक अम्बे मिश्रा, आशा झा, नंदनी देवी, विनीता देवी आदि जानकारी देलनि जे एहि आयोजनक मुख्य उद्देश्य नवविवाहित बहिन सभमे पारंपरिक कलाक प्रति आकर्षण आ उत्साह बढेनाय अछि। प्रतियोगिताक सफल संचालन लेल अम्बे मिश्रा आ आशा झा केर नेतृत्व मे कोर कमिटी बनाओल गेल अछि।
सभ दिन नवविवाहित बहिन अपन सुसज्जित डाली ल’ मिथिला हाट पहुँच प्रतियोगिता मे भाग लेती। सर्वश्रेष्ठ डाली पर पुरस्कार देल जाएत। जे बहिन पुरस्कार जीतती, ओ प्रतियोगिता सं स्वतः बाहर भ’ जायत। प्रवेश पूर्णतः निशुल्क होयत।
मिथिला हाटक निर्माण बिहार सरकारक पूर्व मंत्री एवं राज्यसभा सांसद संजय कुमार झा द्वारा स्वरोजगार आ स्वावलम्बनक लक्ष्य सं कएल गेल छल, जे आब मिथिलाक सांस्कृतिक उन्नयन मे महत्वपूर्ण भूमिका निमाहि रहल अछि।



