झंझारपुर, समदिया
मिथिलाक प्रसिद्ध पर्यटन स्थल मिथिला हाट एहि समय मिथिला मे नवविवाहिता हेतु प्रसिद्ध सांस्कृतिक आ पारंपरिक पर्व मधुश्रावणी सं गुलजार भ’ रहल अछि। मिथिला हाट मे आयोजित मधुश्रावणी डाली सज्जा प्रदर्शनी पर्यटकक लेल आकर्षणक केन्द्र बनि गेल अछि। रवि दिन मधुबनी जिलाक विभिन्न गाम सभ सं 51 नवविवाहिता लोकनि डाली सज्जा प्रदर्शनी मे भाग लेलथि। प्रदर्शनी मे भाग लेनिहार नवविवाहिता अपन सहेली सब संग मिलि क’ रंग-बिरंग फूल सं अपन डाली सजौलनि। मिथिला हाट प्रबंधनक तत्वावधान मे सृष्टि फाउंडेशनक कलाकारद्वारा प्रस्तुत नृत्य आ गायनक बीच मधुश्रावणी डाली सज्जा प्रतियोगिता मे रवि कें दीप गामक अंशु झा विजेता रहलीह। हुनका मिथिला हाट प्रबंधन द्वारा 21 सौ रुपैयाक नगद, प्रशस्ति पत्र आ उपहार सं सम्मानित कएल गेल। प्रतियोगिता मे आकांक्षा आयुषी, पिंकी कुमारी, बिभाति कृष्ण मिश्र, अंशु दिवाकर झा, कोमल झा, प्रीति कुमारी, सिमा कुमारी, दिव्या कुमारी, रीरू झा, अलका कुमारी, अर्चना मिश्रा, जूही झा, दीपा कुमारी, अंजलि कुमारी, निशा झा, जुली कुमारी, ऋचा झा, गीता ठाकुर, गौरी मिश्र, काजल झा, पूजा झा, अनुराधा झा, निधि ठाकुर, अर्शु झा, नेहा झा, प्रीति झा, शुभम मिश्रा, उजाला झा, सपना कुमारी, रागनी कुमारी, नेहा कुमारी, साधना झा, प्रियंका कुमारी, शिवानी कुमारी, निलू झा, खुशी ठाकुर, रक्षा झा, जूही कुमारी, शिवानी मिश्रा, अलका कुमारी, रिमझिम झा, कुमारी ऋतुमाला, शैल पुत्री, कामिनी कुमारी, शिवानी झा, शिवानी, आरती मिश्रा, रुचि झा, प्रीत झा, कुमुद, पिंकी झा शामिल छलथि।
ज्ञातव्य अछि जे साओन मास मे मिथिला मे नवविवाहिता द्वारा मनाओल जायवला मधुश्रावणी पर्व मिथिलाक अद्भुत पर्व अछि। व्रतक पालन कएनिहार नवविवाहिता दिनभर उपवासी रहैत छथि, सोलहो श्रृंगार सं सजि धजि क’ संध्याक समय अपन सहेली संग फूल लोढ़ि क’ डाली सजाबैत छथि आ मंदिर मे पूजा-अर्चना करैत छथि। नवविवाहिता आ हुनकर सहेली द्वारा गाओल मिथिलाक पारंपरिक लोक गीत सभ सं सम्पूर्ण क्षेत्र गुलजार होइत अछि। एहि सांस्कृतिक आ पारंपरिक कला संस्कृति कें बढ़ावा देबाक उद्देश्य सं अररिया संग्राम मे बनल मिथिला हाट मिथिलाक नवविवाहिता कें आधुनिकता संग जोड़िक’ एहि पर्व कें वैश्विक पहिचान देबाक लेल मंच उपलब्ध करैछ आ डाली सज्जा प्रदर्शनी प्रतियोगिताक आयोजन क’ रहल अछि। मिथिलांचलक कोनो हिस्सा सं नवविवाहिता ऑनलाइन आवेदन क’ प्रतियोगिता मे भाग ल’ सकैत छथि। 16 जुलाई सं 26 जुलाई धरि चलि रहल एहि अद्भुत प्रदर्शनी प्रतियोगिता कें देखबाक लेल हजारो पर्यटक मिथिला हाट आएल छथि। मधुश्रावणी डाली सज्जा प्रदर्शनी प्रतियोगिता मिथिला हाट घूमय आएल पर्यटकक लेल आकर्षणक केन्द्र बनि गेल अछि।



