पटना, समदिया
बिहार विधानसभा चुनाव सं पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राज्यवासीकें एक आरो महत्वपूर्ण सौगात देलनि अछि। ओ मध्याह्न भोजन योजना मे कार्यरत रसोइया, रात्रि प्रहरी आ शारीरिक शिक्षा एवं स्वास्थ्य अनुदेशक सभक मानदेय मे दोगुना वृद्धि करबाक घोषणा कएलनि अछि। शीघ्रहि कैबिनेटक बैसार मे एहि निर्णय पर औपचारिक स्वीकृति देल जायत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्वयं शुक्रदिन प्रातःकाल सोशल मीडिया मार्फत एहि निर्णयक जानकारी देलनि।
मुख्यमंत्री लिखलनि जे शिक्षा विभाग अंतर्गत मध्याह्न भोजन कार्यक्रम मे संलग्न रसोइया सभक मासिक मानदेय1650 टाका सं दोगुना कए 3300 टाका करबाक निर्णय लेल गेल अछि। एहेन निर्णय रसोइया वर्गक प्रति राज्य सरकारक संवेदनशीलता आ सम्मानक परिचायक अछि।
ओ आगू लिखलनि जे माध्यमिक एवं उच्च विद्यालय सभ मे कार्यरत रात्रि प्रहरी सभक मानदेय सेहो 5000 टाका सं बढ़ा कए 10000 टाका कए देल गेल अछि। एकर संग शारीरिक शिक्षा आ स्वास्थ्य अनुदेशक सभक मानदेय 8000 टाका सं बढ़ा कए 16000 टाका कए देल जायत। एहि वर्गक कर्मी सभक वार्षिक वेतन वृद्धि सेहो 200 टाका सं बढ़ा कए 400 टाका कए देल गेल अछि।
मुख्यमंत्री विश्वास व्यक्त करैत कहलनि जे एहि वृद्धि सं संलग्न कर्मी वर्गक मनोबल मे वृद्धिक संग हुनकर उत्साह आ कार्यक्षमता मे सेहो अभिवृद्धि होयत, आ ओ अपन कार्य कें आरो समर्पणपूर्वक निर्वाह करताह।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्मरण करौलनि जे नवम्बर 2005 मे सरकार बनेलाक बाद सं शिक्षा व्यवस्था मे सुधार लेल राज्य सरकार लगातार प्रयत्नशील रहल अछि। वर्ष 2005 मे शिक्षा विभागक कुल बजट मात्र 4366 करोड़ टाका छल, जे आब बढ़ि कए 77690 करोड़ टाका भए गेल अछि।
ओ कहलनि जे शिक्षक सभक नियुक्ति, नव विद्यालय भवनक निर्माण तथा आधारभूत संरचनाक विकास सन पहल सभसं राज्य मे शिक्षा व्यवस्था मे व्यापक सुधार आयल अछि। एहि सुधार यात्रा मे रसोइया, रात्रि प्रहरी आ शारीरिक शिक्षा एवं स्वास्थ्य अनुदेशकक योगदान अत्यंत महत्वपूर्ण रहल अछि। एहि योगदानक मान्यता स्वरूप राज्य सरकार हुनकर मानदेय मे सम्मानजनक आ ऐतिहासिक वृद्धि करबाक निर्णय लेलक अछि।
ई निर्णय केवल आर्थिक सहायताक रूप मे नहि, बल्कि सम्मानक प्रतीक अछि – जे राज्य सरकार अपन कर्मठ, नीचला स्तर पर कार्यरत कर्मी सभक परिश्रम कें मान्यता दैत अपन कर्तव्य निभा रहल अ



