11.1 C
London
Wednesday, April 15, 2026

मैथिली साहित्य संगोष्ठी अरुणिमाक भेल आयोजन

मधुबनी, समदिया

मैथिली साहित्य आ सांस्कृतिक समिति, मधुबनीक तत्वावधान मे संस्कृत उच्च विद्यालय परिसर मे मासिक साहित्य संगोष्ठी अरुणिमा केर आयोजन वरिष्ठ साहित्यकार आ समिति के उपाध्यक्ष उदय जायसवालक सभापतित्व मे संपन्न भेल। संगोष्ठी मे कविता, ग़जल आ कथा पाठक रंगीन संगम देखल गेल।

दर्जन भरि सं बेसी कवि-कथाकार लोकनि अपन-अपन रचना सं वातावरण के सरस बना देलनि। प्रजापति ठाकुरक सामाजिक सरोकार सं जुड़ल कविता आ प्रीतम निषाद द्वारा प्रस्तुत छौमासा लोकगीत श्रोतागण कें भावविभोर क’ देलक। श्रवण कुमार साहुक “सावन” शीर्षक कविता अनावृष्टिक पीड़ा पर ध्यान खिंचलक। कमलेश प्रेमेन्द्र अपन ग़जल पाठ सं माहौल कें गहराइ देलनि।

कविता पाठ मे डा. रवीन्द्र झा, अनुपम झा, अनामिका चौधरी, डा. विनय विश्वबन्धु समेत कइ साहित्यकार भाग लेलनि। कथा पाठ मे चण्डेश्वर खाँ, रेवतीरमण झा, सुभेश चन्द्र झा, सुखदेव साह आदि समकालीन कथा प्रस्तुत केलनि। संगोष्ठी केँ संचालित दिलीप कुमार झा केलनि आ रचनासभ पर समालोचना डा. सोनू कुमार झा, मालती मिश्र आ झौली पासवान द्वारा प्रस्तुत भेल। धन्यवाद ज्ञापन समितिक अध्यक्ष चण्डेश्वर खाँ केलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here