दरभंगा/दिल्ली, समदिया
मैथिली भाषा आ साहित्य केर उन्नयन हेतु समुचित प्रोत्साहन लेल समर्पित राष्ट्रीय राजधानी दिल्लीक अग्रणी संस्था मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम) केर तत्वावधानमे विगत एक दशक सँ सभ साल देल जाय बला ‘मैसाम युवा सम्मान’ अंतर्गत वर्ष 2025 केर एहि सम्मान लेल आवेदनक प्रक्रिया 31 जुलाई धरि चलत। एक जनवरी 2025 धरि 40 वर्ष आकि एहि सँ कम आयु वर्ग केर मैथिली लेखक अथवा लेखिका 31 जुलाई धरि मैसाम कें एहि सम्मान लेल अपन आवेदन पठा सकैत छथि। सम्मान लेल मैसाम द्वारा निर्धारित नियमावली केर अनुसार, आवेदक केर उम्र एक जनवरी 2025 कें 40 वर्ष सँ बेसी कथमपि नहि होयबाक चाही। आवेदन केर संग आवेदक केर स्वरचित पोथीक चारि प्रति आ जन्म प्रमाणपत्र संलग्न करब अनिवार्य अछि। मैसाम केर अध्यक्ष राहुल झा, महासचिव सोनी चौधरी आ सूर्य नारायण यादव संयुक्त रूप सँ जनतब देलनि जे मैथिली भाषामे सृजित मौलिक पोथी कविता, कथा, नाटक आदि कोनो विधामे भऽ सकैत अछि। तीन सदस्यीय निर्णायक मंडल द्वारा अंतिम रूप सँ चुनल गेल सर्वश्रेष्ठ युवा रचनाकार कें सितंबर मासमे दिल्लीमे आयोजित होबय बला भव्य समारोहमे 25 हजार रुपया नकद पुरस्कार संग प्रशस्ति पत्र प्रदान कयल जेतनि। कार्यक्रमक तिथि केर घोषणा बादमे कयल जायत।



