9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

रांची एयरपोर्टक बाउंड्री  लग कचराक अंबार, बर्ड हिटक खतरा

रांची।

रांची एयरपोर्ट क्षेत्र मे बर्ड हिटिंग (पक्षी टकराव) केर घटना कतेक बेर भ’ चुकल अछि। शुक्रदिन पटना सं अबै वला विमान 16 किलोमीटर हवाई दूरी पर चील सं टकरा गेल, मुदा सौभाग्यवश कोनो पैघ दुर्घटना नै भेल। एक मास पूर्व सेहो एयरपोर्ट पर एकटा विमान सं एकटा छोट चिरइ टकरा गेल छल।

रांची एयरपोर्टक परिधि मे अबैत 30 नॉटिकल मील (लगभग 50 किलोमीटर) क्षेत्र मे, खास क’ एयरपोर्टक बाउंड्री सं बाहर गंदगी पसरल अछि। एहि क्षेत्र मे माछ आ मांसक दोकान सभ सेहो अवस्थित अछि, जाहि कारणें पक्षी सभक झुंड अक्सर देखल जाइत अछि। एहि सं बर्ड हिट केर खतरा लगातार बनल रहैत अछि।

कूड़ा-कचड़ा केर ढेर लग कौआ सं लए कए आन पक्षी सभ मंडराइत रहैत अछि। कतेको बेर विमान उड़ान भरबाक समयो पक्षी सभ उड़ैत देखल जाइत अछि। एयरपोर्टक दक्षिणी छोर पर बाउंड्री लग भारी संख्या मे गाछ-बिरिछ सभ अछि। एहि गाछ सभ पर पक्षी सभ अपन घोसला बना लेने अछि।

नियम अनुसार एयरपोर्टक बाउंड्री लग एहन उंच गाछ नै होए के चाही, जतय पक्षी घोसला बना सकए। मुदा रांचीक बिरसा मुंडा एयरपोर्टक बाउंड्री लग बड़ पैघ संख्या मे गाछ अछि। ई गाछ सभ मे सं अधिकांश डिफेंस विभागक अछि। एहि गाछ सभ कें कटबाक मुद्दा पर कतेको बेर बात उठल, मुदा एखन धरि कोनो कार्रवाई नै भेल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here