11.1 C
London
Wednesday, April 15, 2026

राजा सलहेसक पूजा मे श्रद्धालुक उमड़ल भीड़

बिस्फी (मधुबनी), समदिया

प्रखंडक सिमरी पंचायत अन्तर्गत वार्ड संख्या 6 स्थित बडकी पोखरि टोलामे शुक्रदिन राजा सलहेस पूजाक भव्य आयोजन कएल गेल। राजा सलहेस पूजा समिति द्वारा आयोजित एहि धार्मिक अनुष्ठान मे पासवान समाज संग-संग आन वर्गक लोक सेहो अपन परिवारक सुख-समृद्धिक लेल मन्नत ल’ क’ पूजास्थल पर उपस्थित भेलाह।

प्रत्येक वर्षक भाँति एहि वर्ष सेहो राजा सलहेस पूजाक आयोजन बहुत धूमधाम सं कएल गेल। कार्यक्रम मे दूर-दराज सं अबैत भगत लोकनि—किशोरी कामत, जनक पासवान, रामबिलास पासवान सहित बसैठा, मेघवन आ बोडहर गाम सं आमंत्रित मानर-मिरदंग वादक लोकनिक संग विशेष प्रस्तुति देल गेल। भगत लोकनि द्वारा विभिन्न देवी-देवताक स्मरण कएल गेल।

राजा सलहेस पूजाक परंपरा पासवान समाज मे पीढ़ी-दर-पीढ़ी सं कुलदेवता रूप मे प्रचलित रहल अछि, जे सावन मास मे विधिवत्‌ रूप सं आयोजित होइत अछि। एहि पूजा मे गाम-घरक लोक अपन सगा-सम्बन्धी सभ कें निमंत्रण दैत छथि आ लग-पासक गाम सं लोक एहि पूजा कें देखबाक लेल पहुँचैत छथि। श्रद्धालु भगत सं आशीर्वाद ग्रहण करैत छथि ताकि परिवार मे शांति, समृद्धि आ कल्याण बनल रहय।

ग्रामवासी अभिजीत पासवान कहलनि जे भगवान राजा सलहेसक पूजा सं समाजक कल्याण होइत अछि। ओतहि, राजकुमार पासवान कहलनि जे साल मे एक बेर कुलदेवता केर स्मरण करैत छी, जाहि सं हुनकर कृपा आ आशीर्वाद परिवार पर बनल रहैत अछि।

एहि अवसर पर संजय पासवान, रामबले पासवान, जोगिंद्र पासवान, सुखदेव पासवान, रामबाबू पासवान, श्याम पासवान, ललित पासवान, महेश्वर कामत, आनंद पासवान समेत कतेको श्रद्धालु उपस्थित छलाह। पूजास्थल पर भक्तिमय वातावरण आ सामूहिक सहभागिता सं पूरा टोला मे धार्मिक उत्सवक छटा देखाए पड़ैत छल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here